Sunday, July 04, 2010

'विदेह' ६० म अंक १५ जून २०१० (वर्ष ३ मास ३० अंक ६०)-PART IV


      परसू सुि‍न दुखनीक मन थीर भेल। छोटका बच्‍चाकेँ कोरामे लऽ जेठकीकेँ आगू कऽ ि‍वदा भेलि‍। घरसँ कने पाछुऐ रहै ि‍क दछि‍नसँ एक गोटेकेँ हाथमे बैग, फुलपेंट-शर्ट पहीरि‍ने अवैत दुनू गोटे देखलक। मुदा ि‍कयो चि‍न्‍हलक नहि‍। बदलल चेहरा भुखनाक। भुखनो अंगने दि‍शि‍सँ अबैत आ दुनू गोटे दुखनि‍यो अंगने दि‍स बढ़ैत। घर लग आबि‍ भुखना दुखनीकेँ कहलक-माए।
  भुखनाक माए कहब दुखनी सुनलक मुदा, अनठि‍या बुझि‍ अनठा देलक। ि‍कछु नहि‍ बाजलि‍। मुदा श्‍यामा चीन्‍हि‍ गेली। बाजलि‍-बौआ हौ।
  बौआ सुि‍न दुखनि‍यो चौंकलीह। ताधरि‍ भुखना लग आबि‍ माएकेँ पएर छुबि‍ गोड़ लगलक। दुखनी अवाक् भऽ गेलि‍। ऑंखि‍मे नोर ढबढ़बा गेलनि‍। ि‍नच्‍चॉंसँ उपर धरि‍ भुखनाकेँ नि‍ग्‍हारए लगलीह।
करेज दहलि‍ गेलनि‍।‍ वामा बॉंहि‍सँ नाति‍केँ दवने आ दहि‍ना तरहत्‍थीसँ ऑंखि‍ पोछि‍ ि‍वह्वल होइत बजलीह- ऑंइ रौ बौआ तूँ तँ समरथ भऽ गेलेँ। चि‍न्‍हवे ने केलि‍यौ। आंङै-समांगे नीक रहै छलेँ की ने। एते दि‍नपर ि‍कअए एलेँ। ि‍क बुझि‍ पड़ै छेलौ जे घरमे ि‍कयो ने अछि‍। कोनो ि‍क हम मरि‍ गेलि‍यौ। रूपैया नै कमेलेँ तँ नै कमेलेँ मुदा, छुछो देहे तँ अबि‍तेँ। अखैन तँ हम अपने थेहगर छी।
  श्‍यामक माथ परक मोटरी पकड़ैत भुखना बाजल- दाय, तोहर माथ अगि‍या गेल हेतौ।
  नै-नै कथीले तूँ लेबह। आब ि‍क अंगना कोनो बड़ दूर अछि‍। मुदा बलजोरी भुखना श्‍यामक माथपर सँ मोटरी उताड़ि‍ अपना माथपर लेलक। आद्र स्‍वरे दुखनी बाजलि‍- बौआ, रस्‍ता तँ भुखले आएल हेबह।
  नइ गै। खाइत-पीबैत एलौं ि‍क।
  बौआ, अंगनो गेल छेलहक ि‍क रस्‍तेसँ रस्‍ता छह?”
  अंगनामे बेग रखि‍ देलि‍यै। घर बोन देखलि‍यै तँ तमोरि‍यावाली भौजीकेँ पुछलि‍यै। वएह कहलनि‍ जे दायकेँ आनै काकी आगू गेल छथि‍।
      भुखनाक बात सुनि‍ दुखनीकेँ तामस उठल। बाजलि‍- ऑंइ रौ छौँड़ा, अंगना गेलेँ तँ गोसॉंइकेँ गोड़ लगलेँ की नै?”
  घर बोन देखलि‍यै तँ बेगकेँ अोसरेपर राखि‍ तोरा तकैले ि‍वदा भेलौं।
  हम कोनो ि‍बलेँत गेल छेलौं। ताबे तूँ हाथ-पाएर धो कऽ अंगनेसँ गोसॉंइकेँ गोड़ लागि‍ लइतेँ से तोरा बुते नै होइतौ। जाबे हमरा तकैले गेलेँ ताबे जे कोइ बेग चोरा लेतौ, तब की करबीही।
  हमरा देखि‍ते मारे धि‍यो-पूतो आ जनि‍जाति‍यो सभ आबि‍ गेल। ओते लोकमे के बेग चोराओत।
  फुसफुसा कऽ माए बेटीकेँ पूछलक- दाय, कि‍छु खाइयोबला सनेस छौ। देखै छीही छौँडाक मुँह केहन सुखाइल छै।
  हँ। असकरे दुआरे कते अनि‍ति‍यौ। पॉंच गो दलि‍पूड़ी अछि‍।
  अच्‍छा, वड़बढ़ि‍यॉं। हम तँ अखैन धरि‍ नहेबो ने केलौंहेँ।
  ि‍कअए? पावनि‍क दि‍न छि‍यै तइयो ने नहेलेँ।
  छुट्टि‍यो ने भेल। भि‍नसरेसँ जारनि‍क अोरि‍यानमे लागल छलौं। बोझ उघैत-उघैत मन ठहि‍या गेल। असकता गेलौं। ने भानसे केलौं आ ने नहेबो केलौंहेँ। ओहि‍ना ओसारपर ओघड़ेलौं ि‍क नीन आि‍ब गेल। जोगि‍नदरा आि‍ब कऽ उठौलक। नइ तँ सुतले रहि‍तौं। देखही जे सॉंझ लगि‍चाइल जाइ छै ने अखैन तक उकक ओरि‍यान भेलहेँ आ ने सॉंझ-बतीक।
      आंगन अबि‍ते दुखनी-भुखनाकेँ कहलक- बौआ, पहि‍न पएर-हाथ धो कऽ सि‍रा आगूमे गोड़ लागह। तखन ि‍कछु करि‍हह।
  भुखना सएह केलक। श्‍यामा सेहो घैलची लग जा घैला झुका एक चुरूक पानि‍ नि‍च्‍चॉं खसा ओहि‍मे दुनू पाएरक तरबा भीजा ओसारेपर सँ गोसॉंइकेँ गोड़ लगलक। सौँसे अंगना धि‍यो-पूतो आ जनि‍जाति‍यो सभ कच-बच करैत। छोटका बच्‍चा सभ फुटे कॉंइ-ि‍कचीड़ करैत रहै। तहि‍ बीच जुगेसराक बेटा रवि‍याक बेटाकेँ पाछुसँ पोनमे ि‍बठुआ काटि‍ दोगे-दोग घुसुि‍क गेल। छि‍लमि‍ला कऽ रवि‍याक बेटा पाछु तकलक तँ शि‍बुआक बेटीकेँ देखलक। ओहि‍ छौँड़ाकेँ भेले जे यएह छौँड़ी ि‍बठुआ कटलक। हॉंइ-हॉंइ कऽ दू मुक्‍का लगा देलक। मुक्‍का लगि‍ते शि‍वुआक बेटी चि‍चि‍आ कऽ कानए लागलि‍। शि‍वुआक घरवाली सेहो पछवारि‍ कात ठाढ़ छलि‍। बेटीकेँ कनैत देखि‍ कोरामे उठबैत पुछलक। ओ छौँड़ी रवि‍याक बेटा नाओ कहलक। ओकरो हड़लै ने फुड़लै ओहि‍ छौँड़ाकेँ कान ऐँठि‍ एक थापर लगा देलक। तहि‍ समए रवि‍याक घरवाली सेहो अबैत छलि‍। बेटाकेँ देखि‍ पुछलक। ओंगरीक इशारासँ छौँड़ा शि‍वुआक घरवालीकेँ देखा देलक। शि‍वुआक घरवालीकेँ देखवि‍तहि‍ रवि‍याक घरवाली लगमे जा झोंट पकड़ि‍ मुँहपर थूक फेि‍क देलक। सौँसे आंगन हड़-वि‍रड़ो मचि‍ गेल। छोटका धि‍या-पूता डरे पड़ाए लगल। तँ दोसर ि‍दस हल्‍ला सुनि‍ आन-आन अबौ लगल। दुखनीक बकारे बन्‍न। जहि‍ना-जहि‍ना शि‍वुआक घरवाली गारि‍ पढ़ै तहि‍ना-तहि‍ना रवि‍याक घरवाली उनटबैत जाए। ि‍कएक तँ स्‍त्रीगणक झगड़ाक वि‍शेषता होइत जे जे पाछु धरि‍ गरि‍आओत ओकर जीत होइत। अंगनाक दृश्‍य देखि‍ भुखनो आ श्‍यामो दुनूक बॉंहि‍ पकड़ि‍-पकड़ि‍ ठेल-ठालि‍ कऽ अपना-अपना अंगना दऽ आइल। भगलाहा धि‍या-पूता सभ पुन: आबए लगल। जनि‍जाति‍यो आ धि‍यो-पूतोमे पाटी बनि‍ गेल। ि‍कछु गोटे ि‍शवुआक घरवालीक पक्ष लऽ आ ि‍कछु गोटे रवि‍याक घरवालीक पक्ष लऽ झगड़ाकेँ पुन: ठाढ़ केलक। एक दोसराक दोख लगवैत अपना पक्षकेँ नि‍र्दोष साबि‍त करए लगल। मुदा जहि‍ना पोखरि‍मे गोला फेकलापर पानि‍मे हि‍लकोर उठैत जे धीरे-धीरे शान्‍त भऽ जाइत तहि‍ना शान्‍त भऽ गेल।
      तत्-खनात तँ दुखनीक आंगन शान्‍त भऽ गेल। अंगनासँ बाहर रस्‍तो आ आनो-आनो जगहपर गुद-गुद-फुस-फुस होइते रहल। जहि‍ना कोनो गाम वा घरमे आगि‍ लगलापर पानि‍ देने मि‍झा जाइत मुदा आगि‍क गरमी रहबे करैत तहि‍ना भेल। आन सभ तँ आंगनसँ ि‍नकलि‍ गेल मुदा, दुखनीक मनक आगि‍ पजरि‍ गेल। बेटी श्‍यामा दि‍स देख जोर-जोरसँ बजए लागलि‍- हम ककरो बजबैले गेल छेलि‍यै जे आबि‍ पावनि‍क दि‍न अंगनामे झगड़ा केलक। पावनि‍ ि‍क कोनो एक दि‍नक होइत अछि‍ आि‍क सालो भरि‍ले होइए। सालो भरि‍ अंगनामे झगड़ा होइते रहत ि‍क ने। तहूमे जे ि‍कयो डोरी बॉंटि‍ घरक पछुऐत बान्‍हि‍ देत तखन तँ आरो सालो भरि‍ झगड़ा होइते रहत कि‍ ने?”
  माइयक बोली बन्‍न करै दुआरे थोम-थाम लगबैत श्‍यामा कहलक- अनेरे तूँ ि‍कअए आफन तोड़ै छेँ। तोरा अंगनामे छेबे के करौ जे साल भरि‍ झगड़ा हेतौ।
      बेटीक बात सुि‍न दुखनी दम कसलक। मुदा तइओ मनमे आगि‍ लगले रहै। घरसँ वि‍छान नि‍कालि‍ श्‍यामा अंगनामे ि‍वछौलक। बि‍छा अपन मोटरी खोललक। एक धारा चाउर, सेर तीनि‍ऐक खेसारीक दालि‍, पॉंचटा दलि‍पूड़ी आ अपनो आ बच्‍चो सभक कपड़ा नि‍कालि‍ रखलक। पॉंचो पूड़ीमे सँ दूटा भुखनाकेँ एकटा कऽ सरस-नि‍रस तोड़ि‍ दुनू बच्‍चाक हाथमे देलक। एकटा अपना लेल आ एकटा माए लेल फुटा कऽ रखलक। बैग खोलि‍ भुखना रूपैयाक गड्डी नि‍कालि‍ माएकेँ कहलक- माए, यएह कमा कऽ अनलि‍यौ।
  रूपैया देखि‍ माइयो आ बहीनो बाजलि‍- झॉंपह, झब दऽ झॉंपह नै तँ लोक देखि‍ लेतह।
  रूपैया झाँपि‍ भुखना दू जोड़ साड़ी आंङी आ सायाक कपड़ाक संग दुनू बच्‍चा लेल शर्ट-पेन्‍ट नि‍कालि‍ आगूमे रखलक। कपड़ा देखि‍ दुखनी ि‍वस्‍मि‍त भऽ गेलि‍। मने-मन सोचए लागलि‍। जे ढहलेलो अछि‍ तइओ तँ बेटे धन छी। मन पड़लै पति‍। भगवान ककरो अधला करै छथि‍न। मने-मन गोड़ लगलकनि‍। अही दुनू बेटा-बेटीक आशापर ने अपन वएस गमा कऽ रहलौं। संतोखे गाछमे ने मेवा फड़ै छै। माएकेँ वि‍स्‍मि‍त देखि‍ भुखना वि‍स्‍कुटक ि‍डब्‍बा नि‍कालि‍ माएक हाथमे दैत कहलक- माए, ई मक्‍खनबला ि‍वस्‍कुट छी तोड़ेले अनलि‍यौहेँ।
  हाथमे वि‍स्‍कुटक डब्‍बा लऽ उनटा-पुनटा कऽ देखए लगली। दुनू बच्‍चो आ श्‍यामोक नजरि‍ डि‍ब्‍बापर अँटकि‍ गेल। तहि‍ बीच देहमे लगबैबला दूटा गमकौआ साबुन, दूटा कपड़ाक साबुन पौवाही नारि‍यल तेलक डि‍ब्‍बा, नि‍कालि‍ दुखनीक आगूमे रखलक। चीज बौस देखि‍ दुखनी मन उधि‍या गेलै। मनमे हुअए लगलै जे अकासमे उड़ि‍ गेलहुँ आि‍क नरकसँ सरग (स्‍वर्ग) चलि‍ गेलहुँ आि‍क सपना देखै छी। अपनाकेँ संयत करैत बाजलि‍- पावनि‍क दि‍न छी, पहि‍ने सभ ि‍कयो खा लइ जाइ जाह। हम अखैन नै खाएव। दि‍नो खटि‍आइये गेल अछि‍ कनी कालमे सॉंझ-बॉंती दइये कऽ खाएव।
  फेर मनमे एलै जे गोसॉंइ डूबैपर अछि‍ अखन धरि‍ पावनि‍क तँ कोनो ओरि‍यान भेवे ने कएल अछि‍। ने उक बनबैले खढ़-संठी अनलौं आने दि‍आरी बनेलौंहेँ। ने दि‍यारीक टेमी बनवैले साफ सुती कपड़ा तकलौंहेँ आ ने दोकानसँ तेले अनलौंहेँ। तहूमे दुनू भाए-बहीन आइल अछि‍ दुइओटा तीमन-तरकारी नहि‍ करब से केहन हएत। एक तँ लछमी पावनि‍ तहूमे एते दि‍नपर छौँड़ा आएल अछि‍।
      पूड़ी खा पानि‍ पीबि‍ श्‍यामा माएकेँ कहलक- चि‍कनी माटि‍ सानि‍ कऽ दि‍आरी बना लइ छी। तूँ दोकानक काज झब दऽ केने आ नै तँ ि‍करि‍ण डूबलापर दोकानोक काज नइ हेतौ। ओहो पूजा-पाठमे लगि‍ जाएत।
  बेटीक बात सुि‍न दुखनी बाजलि‍- ऑंइ गै दैया दोकान-दौड़ीक काजमे ओझरा जाएव तँ खढ़-संठी कखैन आनि‍ उक बनाएव?”
  काजक भरमार देखि‍ भुखना माएकेँ कहलक- तोँ दोसरे काज कर हम दाेकानक काज कऽ लैत छी।
  बेटाक बात सुि‍न दुखनी कहलक- अनठि‍या बुझि‍ दोकानबला ठकि‍ लेतौ।
  माइक बात सुि‍न भुखनाकेँ हँसी लागल। मने-मन सोचए लगल जे शहर-बजार घुमै छी हम आ गामक बनि‍यॉं ठकि‍ लेत हमरे। मुदा ि‍कछु बाजल नहि‍। माएकेँ रोकैत श्‍यामा कहलक- आब जे ककरो अइठीन खढ़-संठी मांगए जेबही से देतौ। लछमी पूजाक बेरि‍ भऽ गेलै। काल्‍हि‍ये ि‍कअए ने मांगि‍ अनलेँ। नइ तँ आइये दुपहर से पहि‍ने मांगि‍ अनि‍ते। आब लेाक अपन-अपन चीज-बौस समेटि‍ घर आनत आि‍क तोरा खढ़-संठी देतौ।
  बेटीक बात सुि‍न दुखनी नि‍राश भऽ गेलि‍। उकक आशा टुटि‍ गेलइ। बाजलि‍- हम तँ बूढ़ि‍ भेलौं। आब ि‍क कोनो पावनि‍-ति‍हारक ठेकान रहैए।
  माइक टूटल आशा देखि‍ श्‍यामा सम्‍हारैत बाजलि‍- खढ़-संठी छोड़ि‍ देही। उक नै हएत तँ ि‍क हेतै। गोसॉंइ बाबाकेँ कहि‍ देबनि‍ जे एते ति‍रोट भऽ गेल। नै पान ते पानक डंटि‍ये से तँ पूजा करबे केलौं।
  सामंजस्‍य करैत दुखनी- अच्‍छा हो-अ। खढ़-संठी छोड़ि‍ दइ छि‍यै। तूँ चि‍कनी माटि‍क दि‍आरी बनाले। कनी रूखे कऽ माटि‍ सनि‍हेँ। नइ तँ आब नै सुखतौ। दि‍नो खटि‍आइये गेल। रौदो ठंढ़ा गेल। दोकानेक काज केने अबै छी।
  तहि‍ बीच भुखना कहलक- तूँ अंगनेक काज सम्‍हार। दोकानक काज केने अबै छी।
  बेटाक बात सुि‍न दुखनी कहलक- ऑंइ रौ, शुभ-शुभ कऽ तूँ गाम एलेहेँ, तोरा कन्‍ना दोकान जाए ि‍दऔ। लोक की कहत?”
  लोक की कहतौ?”
  एतबो ने बुझै छीही जे सभ खि‍धांस करए लगत जे फलनीक खापड़ि‍ केहेन तबधल छै जे अखने बेटा परदेशसँ एलै आ बेसाह अनैले दोकान पठौलक।
  कोइ ने ि‍कछु बाजत। कोनो अनकर काज छि‍यै जे ि‍कयो ि‍कछु बाजत। बाज कथी सबहक काज छौ?”
  एक रूपैया कऽ नून, दू गो तीमनो-तरकारी करब तेँ पॉंच रूपैयाक करू तेल सेहो लऽ लि‍हेँ। आठ अन्‍नाक जीर-मरीच, आठ अन्‍नाक हरदी आ आठ आनाक मि‍रचाइ सेहो लऽ लि‍हेँ। अल्‍लुओ घरमे नहि‍ये अछि‍। तरैबला अल्‍लू सेहो लऽ लि‍हेँ। दूटा पापड़ो लऽ लि‍हेँ। आइ लछमी पूजा सेहो छी तेँ आठ अन्‍नाक मखान आ आठ अन्‍नाक चि‍न्‍नि‍यो लइये लि‍हेँ। भरि‍ राति‍ डि‍बि‍या जरत तइले मट्टि‍यो तेल कनी बेसि‍ये कऽ लऽ लि‍हेँ।
  आउरो ि‍कछु?”
  मन पाड़ि‍ दुखनी बाजल- आब तँ लोक धुमनक धूपो देनाइ छोड़ि‍ये देलक तेँ एकटा धुपकाठीक डि‍ब्‍बा सेहो लइये लि‍हेँ।
      श्‍यामा ि‍दआरी बनवैले ि‍चक्‍कनि‍ माटि लोढ़ीसँ फोड़ए लगलीह। भुखना दोकान वि‍दा भेल। दुखनीक मन असथि‍र भेल। मन असथि‍र होइते बेटीकेँ कहलक- बुच्‍ची, हम नहाइले जाइ छी। ि‍करि‍णो लुकझुकाइये गेल।
  श्‍यामा- बौआ जे साड़ी अनलकौ सएह लऽ ले।
      बेटीक बात सुि‍न दुखनी हरा गेलि‍। मनमे नचए लगलै बेटाक कीनल पहि‍ल साड़ी। जहि‍यासँ अपने मुइलाह तहि‍यासँ कहि‍यो नव साड़ीक नसीव नहि‍ भेलि‍। ओना बेटी अपन पहि‍रल साड़ी साले-साल दइते रहल तेँ कहि‍यो कपड़ाक दुख नहि‍ये भेलि‍। रोडे ि‍कनछरि‍मे गारल सरकारी कलपर दुखनी पहुँचल। कलपर पहुँचते मन पड़लै। साड़ी-लोटा कलेपर रखि‍ चोट्टे घुि‍र कऽ आंगन आबि‍ बेटीकेँ कहलक- दाय, एकटा बात मन पड़ि‍ गेल। ि‍बसरि‍ जाइतौं तेँ कहैले एलि‍यौ।
  अकचकाइत श्‍यामा पुछलक- कोन बात मन पड़लौ?”
  दुखनी- बच्‍चा जे दोकानसँ औत तँ कहि‍ दि‍हैन जे अगि‍ला चौमास बि‍करी अछि‍। दुइये कट्ठा छइहो। से कीनि‍ लेत। हमरा ने एक्कोटा घरसँ काज चलैत अछि‍ मुदा, नइ अइ साल तँ अगि‍लाे साल ि‍वआह कइये देवइ। बाल-बच्‍चा हेतै। लघि‍यो करैले कतऽ जेतै। लोक बढ़ने मालो-जाल पोसबे करत। से कतऽ बान्‍हत।
  श्‍यामा- अच्‍छा जो, पहि‍ने नहाले। बौआ दोकानसँ औत तँ मन पाड़ि‍ देबौ।


जीवन संघर्ष- 4

आइ धरि‍क इति‍हासमे बँसपुराक ऐहन रूप कहि‍यो नहि‍ बनल छल जेहन आइ देखि‍ पड़ैछ। ओना ि‍कछु अनुभवी बूढ़-पुरान लोकनि‍क कहब छनि‍ जे आजुक बँसपुरा दोबरा कऽ बसल गाम छी। हुनका लोकनि‍क कथनानुसार करीब साठि‍-सत्तरि‍ बर्ख पहि‍ने एहि‍ गाममे कोसी प्रवेश केलक। तहि‍सँ पहि‍ने जे गाम छल ओकर रूप-रेखा दोसर तरहक छलैक। आजुक जे मुख्‍य बस्‍ती अछि‍ ओ पहि‍ने बाध छलै आ जे बस्‍ती रहै ओ अखन बाध बनि‍ गेल अछि‍। जेकर अनेको परमान अखनो भेटैत अछि‍। अखनो बाधमे कतौ-कतौ पि‍त्तरि‍ आ तामक बरतन भेटि‍ जाइत अछि‍। पहि‍लुका बस्‍तीमे गाछी-वि‍रछी भरपुर छलैक। मुदा अखुनका जेकॉं ने एते लोक छलैक आ ने एते परि‍वार। जखन पहि‍ल बेर कोसीक बाढ़ि‍ आइल तँ लोककेँ वि‍सवासे ने होय जे कोसीक पानि‍ छी। मुदा ि‍कछु अनुभवी लोक पानि‍क रंग देखि‍ परेखि‍ लेलनि‍। ि‍कऐक तँ कमला पानि‍ जेकॉं घोर-मट्ठा माने मटि‍आइल पानि‍ नहि‍ रहैक। पॉंकक कोनो दरसे नहि‍ रहैक। पहि‍ल साल एतबेपर रहि‍ गेलैक। एक तोड़ बाढ़ि‍ आएल आ दस-बारह दि‍नक उपरान्‍त सटकि‍ गेलै। दोहरा कऽ नहि‍ आएल। दोसर साल जे बाढ़ि‍ आएल ओ छोटकी धार -नासी- जेकॉं गामक बीचो-बीच बना देलक। ओहि‍ साल गामक लोककेँ ई आभास नहि‍ भेलैक जे ऐना धार गाममे बनि‍ जाएत। जहि‍सँ सभ गामेमे रहल। बाधक उँचका जमीनमे घर बना लेलक। कोना नहि‍ बनबैत? एक तँ पुस्‍तैनी गामक सि‍नेह आ अपन सम्‍पति‍यो तँ छलैक। छह मासक उपरान्‍त धार सुखि‍ गेल। मुदा उपजो-बाड़ी आ गाछो-ि‍बरीछ अधा-छि‍धा भऽ गेलैक। ि‍कछु गोटेक मालो-जाल नष्‍ट भेलैक। अनरनेबा, धात्री, लताम, कटहर इत्‍यादि‍क गाछ उपटि‍ गेलै। दूटा पोखरि‍ आ पॉंचटा इनार धारक पेटमे समा गेलै। जहि‍सँ लोकक मनमे डर पैइसए लगलैक। गामक माटि‍-पानि‍क सि‍नेह सेहो कम हुअए लगलैक। ि‍बसवासू जि‍नगी अनि‍ि‍श्‍चतता दि‍स बढ़ए लगलैक। ि‍कछु गोटे आन गाम जा बसैक बात सोचए लगल। मुदा जेकरा खेत-पथार रहै ओ करेजपर पाथर रखि‍ रहैले मजबूर भऽ गेल। तेसरा साल बाढ़ि‍ सभसँ भयंकर रूपमे आएल। जहि‍सँ गामक खेतो-पथारक रूप नष्‍ट भऽ गेलैक, गाछो-ि‍बरीछ नष्‍ट भऽ गेलैक आ लोकोक जान अबग्रहमे फँसि‍ गेलैक। छातीमे मुक्‍का मारि‍ सभ गाम छोड़ि‍ देलक। सन्‍मुख कोसी गाम होइत बहए लगल।
      तीस बर्ख, एक रफ्तारमे कोसी बँसपुरा होइत बहैत रहल। गामक सभ आन-आन गाम जा बोनि‍हार बनि‍ गेल। अधि‍कतर लोक नेपाल पकड़ि‍ लेलक। जेकरा-जत्तै जीवैक गर लगलै ओ ओत्तै रहए लगल। जाधरि‍ लोककेँ अपन पूँजी रहैत छैक ताधरि‍ ने ि‍कसान वा कारोबारी रहैत अछि‍। मुदा पूँजी नष्‍ट भेने तँ खाली-हाथ बँचि‍ जाइत छैक। बँसपुराक सभ बोनि‍हार बनि‍ गेल। गामक, कोसी ऐलासँ पूर्वक, सामाजि‍क संबंध रॉंइ-बॉंइ भऽ गेलैक। पहि‍लुका समाज नष्‍ट भऽ गेलैक। बँसपुराक सभ सुख लोक ि‍वसरि‍ गेल।
  मातृभूि‍म ककरा कहै छै से बँसपुराक लोकक लेल परि‍भाषे मेटा गेलैक। ि‍कएक तँ मातृभूमि‍ आ दुनि‍यॉंमे की अन्‍तर छैक? जँ जन्‍मभूमि‍केँ मातृभूमि‍ मानल जाए तँ मातृभूमि‍ये नष्‍ट भऽ गेलैक। जे सभ बँसपुरामे जन्‍म नेने छल ओ आन-आन गाममे रहि‍ रहल अछि‍। जँ कहि‍यो फेरि‍ बँसपुरा जगतै तँ ओ फेरि‍ आबि‍ देखत ि‍क नहि‍। तहि‍ना जे घुरि‍ कऽ आओत ओ सभ तँ आने-आने ठाम जन्‍म नेने अछि‍। तहन ओकर मातृभूि‍म कोन भेलै। जँ देशकेँ मातृभूमि‍ मानल जाए तँ देशो वि‍भाजि‍त भऽ जाइ छैक। जे दू नाम धारण कऽ लइत अछि‍। तहन तँ देशोकेँ कोना मातृभूमि‍ मानल जाए। जँ से नहि‍, जहि‍ धरतीपर लोक जन्‍म लइत अछि‍ ओकरा मानल जाए तँ दुनि‍यॉंक जते देश अछि‍ सभ धरति‍येपर अछि‍। तहन ि‍कअए मातृभूि‍मकेँ छोट आकारमे मानैत छी। ि‍कऐक ने दुनि‍यॉंकेँ मातृभूमि‍ मानल जाए?
      कोसीक धार हटलापर जहन बँसपुरा जागल तँ रूपे बदलि‍ गेल छलैक। मुलायम माटि‍ बालु भऽ गेलैक। गाछ-वि‍रीछक जगह काश-पटेर, झौआ लऽ लेलक। अपन पुस्‍तैनी गाम बुझि‍ पुन: लोक सभ आबए लगल। ने ककरो जमीनक सबूत, खति‍आन, दस्‍तावेज इत्‍यादि‍, रहलै आ ने जमीनक ठौर-ठेकान। मुदा गाम तँ हेतैक। जहि‍ना अदौमे माने साबि‍कमे जंगल-झाड़ तोड़ि‍ लोक वसो-वास आ उपजाउ भूि‍म बनौलक। रेन्‍ट-फि‍क्‍स कऽ सरकारो जमीनक अधि‍कार देलक। सएह गाम बँसपुरा छी।
      जहि‍ना कहि‍यो बँसपुरा पानि‍सँ दहा गेल छल तहि‍ना पानि‍क अभाव गाममे भऽ गेलैक। ने एकोटा पोखरि‍-इनार रहल आ ने बाढ़ि‍क पानि‍ अबैत। पोखरि‍-इनार खुनब छोड़ि‍ लोक कलसँ पानि‍क काज चलबए लगल। बरखा पानि‍सँ खेती हुअए लगलैक। चापी जमीनकेँ बान्‍हि‍-बान्‍हि‍ लोक पोखरि‍योक सेहन्‍ता मेटबए लगल। जहि‍मे माछ-मखान, सि‍ंगहार सेहो होइत अछि‍।
      ओहि‍ बँसपुरामे आइ दि‍वालि‍यो आ कालि‍यो पूजाक उत्‍साह लोकक रग-रगमे दौड़ि‍ रहल अछि‍। आन-आन गामसँ अबैबला देखि‍नि‍हार लेल चारू भागक रास्‍ताकेँ गौवॉं, अपन सीमा भरि‍, जते टूटल-टाटल छलै सभकेँ भरि‍-भरि‍ कऽ सहीट बना देलक। जतए कतौ बोन-झार छलै सभ काटि‍-खोंटि‍ साफ कऽ देलक। ओना सरकारो दि‍ससँ बान्‍ह-सड़कपर माटि‍ पड़ैत मुदा, दूधक डाढ़ी जेकॉं पड़ने बरसातमे भसि‍ये जाइत छलैक। जहि‍सँ जहि‍ना कऽ तहिना रहि‍ जाइत। मुदा एहि‍ बेरि‍ गौवॉं अपन सम्‍पत्ति‍ बुझि‍ नीक जेकॉं मरम्‍मत केलक। खाली बान्‍हे-सड़क टा धरि‍ नहि‍ गामक जते पानि‍ पीबैक साधन अछि‍ सबहक मरम्‍मत सेहो केलक। ओना बैसाख-जेठ जेकॉं देखि‍नि‍हार लोक थोड़े पानि‍ये पीति‍ मुदा, तइओ पानि‍ तँ पीवे करत गामक लेल सभसँ आश्‍चर्य ई भेल जे एकाएक सभ अपन जि‍म्‍मा कोना बुझलक।
      केवल पानि‍येक प्रबंध टा नहि‍ पाहुन-परकसँ लऽ कऽ हराएल-भौथि‍आइल देखि‍नि‍हारक लेल सेहो रहैक व्‍यवस्‍था केलक। जेकरा दुआर-दरबज्‍जा छै ओकर तँ कोनो बाते नहि‍, जेकरा नहि‍यो छैक ओहो सभ जोगार केलक। मोटका प्‍लास्‍टि‍क आनि‍-आनि‍ घरे जेकॉं बना लेलक। सबहक मनमे गद्गदी जे आबह कते पाहुन-परक अबैए। सुतैक लेल मोथीक ि‍बछान सेहो बेसि‍ये कऽ कीनि‍-कीनि‍ रखि‍ लेलक। अखन ने अनगौवॉंक लेल कीनलक मुदा, पूजाक पछाति‍ तँ अपने सुतबो करत आ अन्‍नो-पानि‍ सुखौत। ओना जे मेला देखए आओत ओ सुतत ि‍क मेला देखत। मुदा जे भरि‍ राति‍ मेला देखत ओ तँ दि‍नोमे सुतबे करत।
      रघुनाथोकेँ धन्‍यवाद दि‍यै जे खाइ-पीवैक समान- चाउर-दालि‍, तरकारीसँ लऽ कऽ जारनि‍-काठी धरि‍क तेहन कारोवार पसारि‍ देलक जे कतबो लोक कीनत-बेसाहत तइओ नहि‍ सठतै। एक्‍के मेलाक कमाइमे ओहो धनि‍क भऽ जाएत। हँ तँ पूँजि‍यो तँ वएह ने लगौने अछि‍। तेहेन ओकर बोहूक बोली मीठ छै जे एक्‍कोटा गहि‍कीकेँ थोड़े घूमए देत। सदि‍खन दोकानमे भीड़ लगले रहतै। कहबि‍यो छै ने जेकरा भगवान दइ छथि‍न छप्‍पर फॉंड़ि‍ कऽ दैत छथि‍न। भने दोकान घरेपर केने अछि‍। जँ मेलामे केने रहैत तँ गौवॉंकेँ घि‍नाष्‍ठे करैत, ि‍कएक तँ पाहुन-परकक सोझमे कोना लोक चाउर-दालि‍ कीनैत।
      मुदा, आश्‍चर्य भेल। बाप रे गाममे एते पाहुन-परक कोना उनटि‍ कऽ चलि‍ आएल। जना ककरो कोनो अपना काजे नहि‍ छैक। तहूमे मरदसँ तीन गुना स्‍त्रीगण आबि‍ गेल अछि‍। स्‍त्रीगणोमे वेसी ओहन अछि‍ जे पनरहसँ पच्‍चीस बर्खक अछि‍। सेहो एक मेलक माने चालि‍-ढालि‍क रहैत तब ने, चारि‍-पॉंच मेलक छै। कोना नै गामक हबामे खतरनाक कीड़ा फड़त। बम्‍वैइया सभ जे छै ओ सि‍र्फ‍ छौँड़े-माड़रि‍ टा केँ थोड़े धड़त, बुढ़ो-बुढ़ानुसकेँ धड़वे करत। जहि‍ना कोनाे अनठि‍या चि‍ड़ैकेँ गाममे अएलासँ गामक सभ देखए जाइत तहि‍ना ने बम्‍वैइयो चि‍ड़ैकेँ देखत। मुदा नहि‍यो देखत तँ अनुचि‍ते हएत ि‍क ने। आखि‍र ओहो ओहन रूप ि‍कअए बनौने अछि‍। लोके देखैले ि‍क ने। जँ से नहि‍ मनमे रहि‍तै तँ ऐहन पॉंखि‍ बनबैक काज कोन छलै। मनुक्‍ख तँ मनुक्‍ख छी की ने? तइले ऐहन हबा-ि‍मठाइ बनैक कोन जरूरत छैक। तहूमे जखन बनि‍ गेल आ लोक नहि‍ देखै तँ बनैक मोले ि‍क? मोल तँ तखने हेतै ि‍क ने जखन लोक ओकरा नि‍ङहारि‍-नि‍ङहाि‍र तर-उपर देखत। तेँ ि‍क ओकर चराओर गाम-देहातमे नै छै? जरूर छै। बम्‍वइये कलाकार सभ ने गामोक लेाककेँ ि‍सनेमाक माध्‍यमसँ सि‍खौलकैक हेँ। लोकक मनो अजीब छैक। जँ कनि‍यो उपर उड़त तँ बुझि‍ पड़ैत छैक जे जमीनक सभ ि‍कछु हम देखैत छी मुदा, हमरा ि‍कयो देखबे ने करैत अछि‍। तहि‍ना ने जमीनो परक केँ बुझि‍ पड़ै छैक। मुदा भ्रम तँ दुनूकेँ छैक। उपर उड़नि‍हार जँ जमीनक उपरका भाग देखैत अछि‍ तँ जमीनो परक ने ओकरा नि‍चला भाग देखैत अछि‍।
      चाि‍र बजैत-बजैत मेला देखि‍नाहारक भीड़ काली-स्‍थान उमड़ि‍ गेल। ओना बूढ़ि‍-बुढ़ानुस अपन-अपन घर-अंगनाक ओरि‍यानमे लागल। ि‍सरपर सूर्यास्‍त होइतहि‍ दीप जरौनाइसँ लऽ कऽ उक फेरि‍नाइ सबहक सि‍रपर छन्‍हि‍। मुदा आन गामसँ आएल लोककेँ कोन काज छन्‍हि‍ ओ तँ मेले देखैले आएल छथि‍। सभसँ खूबी तँ ई अछि‍ जे मेला देखि‍नि‍हारे मेला देखैक वस्‍तु बनि‍ गेल अछि‍। पूजा समि‍ति‍क सदस्‍यक उपर जवावदेही-भार रहने सभ जी-जानसँ नि‍गरानीक संग-संग वेवस्‍थामे जुटल। सौँसे मेला पी-पाह होइत। ओना पूजाक प्रक्रि‍या नि‍शा राति‍मे शुरू हएत मुदा, ओरि‍यान तँ पहि‍नहि‍सँ करए पड़त। ऐहन नहि‍ ने जे एक दि‍स पूजा शुरू हएत दोसर दि‍स समान जुटले ने रहत। ऐहन नहि‍ ने जे पूजा काल जहि‍ वस्‍तुक जरूरत होय ओ अछि‍ये नहि‍। तेँ पुजेगरि‍यो आ पुरोहि‍तो अपन सभ वस्‍तु पुरजीसँ ि‍मला-मि‍ला सैंति‍-सैंति‍ रखैत।
      ओना मेलाक आनन्‍द तँ तखन होइत छैक जखन पूजा शुरू होइत अछि‍। नाचो-तमाशा तँ तखनेसँ ने शुरू होइत छैक। मुदा तइयो सोलहन्‍नी नहि‍ तँ अधो-छि‍धो मेलाक आकर्षण तँ बढ़ि‍ये गेल छैक। सभसँ अजीव तँ ई भऽ गेल अछि‍ जे दर्शक गजपट भऽ गेल अछि‍। तेहन ने बजारू रूप बनि गेल अछि‍ जे लड़का-लड़कीक भेदे मेटा गेल छै। चश्‍मा खोलि‍-खोलि‍ बूढ़-पुरान सभ ऑंखि‍ मलि‍-मलि‍ देखैत जे ई छौँड़ा छी ि‍क छौँड़ी। मुदा तइओ ऑंखि‍ ठीकसँ काजे नहि‍ कऽ रहल छन्‍हि‍। सभ अपन-अपन धुनि‍मे मस्‍त। तहि‍ बीच फटाक-फटाकक अवाज हुअए लगलै। फटाक-फटाकक अवाज सुनि‍ सबहक कान ठाढ़ भेल। जे जेतै रहै ओ ओतैसँ अवाज अकानए लगल। मुदा दोकान-दौड़ी तहि‍ ढंगसँ सजल रहै जे सोझा-सोझी अवाज नि‍कलबे नहि‍ करैत रहै। लगमे जे रहै ओ तँ अवाजो सुनै आ मारि‍यो होइत देखै। ि‍कछु लोक बाहरो दि‍शि‍ भगैत रहै आ ि‍कछु गोटे दौड़-दौड़ ऐबो करैत रहै। उत्तर दि‍ससँ देवन आ पछि‍मसँ मंगल दौड़ल आि‍व भीड़केँ चीड़ैत आगू पहुँचल। आगू पहुँचतहि‍ देखलक जे बीस-पच्‍चीस बर्खक दूटा छौँड़ा चेस्‍टरक दोकानक आगूमे मुक्‍का-मुक्‍की कऽ रहल छै। फांटि‍ देखि‍ दुनू देवनो आ मंगलो सहमि‍ गेल। मुदा तहि‍ बीच जोगि‍नदर दौड़ल आबि‍ दुनू हाथ धुमबैत दुनू छौँड़ाकेँ गट्टा पकड़ि‍ माि‍र छोड़ौलक। हल्‍लो शान्‍त भेलै। एकटा छौँड़ाकेँ देवन पुछलक- बौआ, अखन पूजा-पाठक समए छै तखन तोँ ि‍कअए माि‍र केलह?”
  मुदा, जहि‍ छौँड़ाकेँ देवन पुछलक ओ ि‍कछु ि‍वशेष माि‍र खेने रहै। तेँ जाबत ि‍कछु बाजै-बाजै तहि‍सँ पहि‍नहि‍ दोसर बाजए लगल। ओहि‍ छौँड़ाकेँ चोहटैत जोगि‍नदर कहलक- तूँ चुप रहह। पहि‍ने जेकरा पुछलि‍यै से बाजत।
  मुदा जोगि‍नदरक बातक असि‍र एक्‍को पाइ ओहि‍ छौँड़ापर नहि‍ भेलैक। दुनू गामक पाहुन। तेँ ि‍वकट संकट समि‍ति‍क सदस्‍यक बीच भऽ गेल। ि‍वचि‍त्र स्‍थि‍ति‍मे सभ पड़ि‍ गेल। अधि‍कतर लड़को आ लड़कि‍यो परदेशि‍या। तेँ मारि‍क डर ककरो हेबे ने करैत। लड़की सभ जोर दैत बाजलि‍- ब्रेशि‍यरक दोकानपर लड़का सभकेँ अबैक कोन जरूरत छै। ई तँ स्‍त्रीगणक सौदा छी?”
  मुदा, लड़को सभ लड़कीक बात मानए लेल तैयार नहि‍। तेसर छौँड़ा बाजल- लड़कीक उपयोगक वस्‍तु छी, एकर माने ई नै ने जे ऐकर जरूरत लड़का सभकेँ नहि‍ छैक।
  लड़काकेँ की जरूरत छै?”
  अपनो परि‍वार छै आ ि‍हतो-अपेछि‍त तँ छइहे।
लड़का-लड़कीक बीचक गप्‍प गजपट होइत देखि‍ देवन कहलक- अखन सभ शान्‍त होउ। मेलाक पछाति‍ एकर नि‍बटारा हएत। अखन सभ मेला देखू।
      सूर्यास्‍तक समए। सूर्य तँ पूर्णरूपेण नहि‍ डूबल मुदा, नि‍च्‍चाँ उतड़ि‍ गेलासँ लोकक ऑंखि‍सँ ओझल भऽ गेल। गामक धि‍यो-पूतो आ चेतनो स्‍त्रीगण फुलडालीमे ि‍दआरी, सलाइ, अगरबत्ती आ खढ़क उक लऽ कऽ गामक जते देवस्‍थान अछि‍ सभ दि‍शि‍ धरोहि‍ लगि‍ गेल। ि‍कयो डि‍हवार स्‍थान दि‍स जाइत तँ ि‍कयो महादेव मंदि‍र दि‍स। ि‍कयो धर्मराजक गहबर दि‍स तँ ि‍कयो हनुमान जीक स्‍थान दि‍स। गाममे पॉंचेटा पुरना देवस्‍थान। छठम नबकामे काली स्‍थान बनल। ओना ठकुरवारी पहि‍ने व्‍यक्‍ति‍गत छल मुदा, महंथ जीक मुइलापर ओहो दसगरदे भऽ गेल। सभ स्‍थानमे दीप जरा, धुप दऽ सभ अपन-अपन आंगन आबि‍ घर-आंगनमे दीप जरबैत माल-जालक थैर, इनार, कलपर सेहो जरौलक। ि‍कछु गोटे कुम्‍हारक बनौल माटि‍क ि‍डबि‍या तँ ि‍कछु गोटे दवाइ पीलहा शीशी सबहक डि‍वि‍या बना सेहो जरौलक। सौँसे गाम इजोत जगमगा गेल। काली स्‍थानक चारू जेनरेटर चलए लगल। जहि‍सँ अन्‍हरि‍या रहि‍तहुँ इजोतसँ गाम दि‍ने जेकॉं भऽ गेल। ओना दि‍नमे मेघ जते उपर रहैत अछि‍ राति‍मे (अन्‍हार) नि‍च्‍चॉं उतड़ि‍ जाइत अछि‍।
      दि‍वाली पावनि‍सँ गाम नि‍चेन भऽ गेल। स्‍त्रीगण सभ भानस-भात करैमे लागि‍ गेलीह। समए पाबि‍ पुरूख सभ मेले दि‍ि‍श टहलि‍ गेलाह। मेलाक आकर्षण देखि‍ ि‍कनको घरपर अवैक मने नहि‍ होइत रहनि‍। मुदा भरि‍ राति‍ तँ नाच-तमाशा चलि‍ते रहत तेँ ि‍बना खेने-पीने रहबो कठि‍न बुझि‍ अपन-अपन घर-अंगनाक रास्‍ता धेलनि‍। काली-मंडपमे पुजेगरी पूजाक ओरि‍यानमे व्‍यस्‍त रहथि‍। मुजफ्फरपुरक जेहने नाटक तेहने मंचो बनल। ऐहन मंच, आइ धरि‍ एहि‍ इलाकाक लोक नहि‍ देखने रहथि‍। जेहने फइल स्‍टेज तेहने सुन्‍दर-सुन्‍दर रंगीन परदो लगौल गेल रहैक। तेहने ऊँचगरो। कतबो देखि‍नि‍हार रहत तइओ देखबे करत। अजीव ढंगसँ ि‍बजलीयो लगौल गेल रहैक। बजोक तेहने वेवसथा। मुजफ्फरपुरक मंचसँ कनि‍यो उन्‍नैस वृन्‍दावनक रासक नहि‍। मुदा दुनूमे अंतर साफ-साफ बुझि‍ पड़ैत रहैक। जेहने आधुनि‍कताक प्रदर्शन मुजफ्फरपुरक स्‍टेज करैत रहै तेहने प्राचीनताक वृन्‍दावनक मंच करैत रहै। कौव्‍वालीक मंच तँ ओते लहटगर नहि‍ बुझि‍ पड़ैत। मुदा मेल-फीमेलक दुनू स्‍टेज सटल रहने अपन आकर्षण बढ़ौने रहै। महि‍सोथाक मलि‍नि‍या नाचक मंच सभसँ दब। मात्र चारि‍-पॉंचटा चौकी नि‍च्‍चॉंमे जोड़ने आ चारि‍टा खूँटा गारि‍ उपरमे आल रंगक चनवा आ एकटा परदा मात्र लगल रहैक। मंच दब रहि‍तहुँ मलि‍नि‍या नाचक कलाकार सभक मनमे वि‍शेष उत्‍साह रहै जे सभकेँ उखाड़ि‍ देब। अोकरा सबहक मन गद्-गद् एहि‍ दुआरे रहै जे छुछे टीप-टापसँ सोझे काज चलै छै जे मौलि‍कता हमरा कलाकारमे अछि‍ से अनकामे नहि‍ छैक। संगहि‍ जते देखनि‍हार हमर अछि‍ ओते दोसराक नहि‍ छैक। जहि‍ना बजारमे अनेको दोकान रहि‍तहुँ सोना-चानी कीनि‍हार, सोने-चानीक दोकान पहुँचैैत, ि‍कताब कीनिनि‍हार ि‍कताबे दोकानपर पहुँचैत अछि‍ तहि‍ना ने नाचो-तमाशाक छैक।
  नअ बजैत-बजैत मंच सबहक आगू देखि‍नि‍हारक ठट्ठ पड़ए लगल। कोना नहि‍ पड़त? लगसँ देखब आ दूरसँ देखब मे सेहो अंतर होइ छै ि‍कने। मुदा समि‍ति‍क सदस्‍य सभ वि‍चारि‍ नेने रहै जे आगूमे अनगौवॉंकेँ बैसाइब। गौवॉं तँ ठाढ़ो-ठाढ़ पाछुओसँ देखि‍ सकैत अछि‍। तहूमे अनगौवॉंकेँ कोनो ठीके नहि‍ अछि‍ जे सभ दि‍न देखए ऐबे करत। मुदा गौवॉंक तँ अपन मेला छि‍यैक तेँ ऐबे करत। कलाकार सभ मेक-अप करबो नहि‍ केने रहै ि‍क देखि‍नि‍हार सभ पीकी मारब शुरू केलक। कोना नहि‍ मारत? लोक देखैले आएल ि‍क वैइसैले आइल अछि‍। कमसँ कम बजोबला सभ तँ मंचपर आबि‍ सम बान्‍हह। समो बन्‍हैमे एकाध घंटा लगवे ने करतै। पैसा लऽ कऽ आएल अछि‍ ि‍क कोनो मंगनी आएल अछि‍ जे समए ससरल जाइ छै आ अखन धरि‍ स्‍टेज खाली रखने अछि‍। जनसेवा दलक सदस्‍य सभ कखनो मंचपर जाए शान्‍त करैत तँ कखनो मर्द-स्‍त्रीगणक गजपट भीड़केँ सुढ़ि‍अबैत।
      चारू मंच बाजाक आवाजसँ गनगनाए लगल। देखि‍नि‍हारोक मन बाजाक धुनमे शरबत बनए लगल। ि‍कयो मने-मन गुनगुनाए लगल तँ ि‍कयो हाथक ओंगरीसँ पोनोपर आ ि‍कयो-ि‍कयो ठेहुनोपर ताल मि‍लबए लगल। पूबसँ एक चि‍ड़की मेघ-बादल- पुरबा हवाकेँ संग केने उठल। हवाकेँ उठि‍ते देखि‍नि‍हारक औल-बौल मन शान्‍त हुअए लगल। धीरे-धीरे हवो तेज होइत गेल। करि‍या मेघ सेहो नमहर हुअए लगल। एकाएकी तरेगण डूबए लगल। जहि‍ना-जहि‍ना बादल पसरैत तहि‍ना-तहि‍ना हवो तेज हुअए लगल। काली-मंडपमे पुजेगरी घड़ी देखि‍-देखि‍ पूजाक प्रक्रि‍याकेँ आगू बढ़बए लगलाह। माए-बहीनि‍ गीति‍ शुरू केलनि‍। जोरसँ मेघ बोली देलक। हवो ि‍बहाड़ि‍क रूप पकड़ए लगल। बुन्‍दा-बुन्‍दी पानि‍ पड़ए लगल। मुदा पानि‍क शंका ककरो मनमे नहि‍। ि‍कऐक तँ रौदि‍याह समए रहने सभ नि‍श्‍चि‍न्‍त जे एहि‍बेर मेघमे पानि‍ये नहि‍ छैक जे बरि‍सत। तहूमे जँ शुभ काजमे बुन्‍दा-बुन्‍दी हुअए तँ ओ आरो शुभ छी। तेँ सबहक मन खुशी। मुदा पानि‍क बुन्‍नसँ मंचक आगूमे बैसल देखि‍नि‍हार एका-एकी उठए लगल। तड़तड़ा कऽ बड़खा शुरू भेल। ि‍बजलोका सेहो तड़ाक-तड़ाक छि‍टकए लगल। जते ि‍वजलोका छि‍टकै तते मेघो गरजए लगल। गामक लोक घर दि‍सक रास्‍ता धेलक। मुदा अनगौवॉं असमंजसमे पड़ि‍ गेल जे आब भीजबे करब। मुदा ि‍बहाड़ि‍ तँ जान नहि‍ छोड़त। हाि‍र कऽ अनगौवॉं स्‍टेजक उपरो आ तरोमे पहुँच पानि‍सँ बचैक गर अंटबए लगल। इंजन ि‍बगड़ै दुआरे जेनरेटरबला जेनरेटर बन्‍न कऽ देलक। सौँसे मेला अन्‍हार पसरि‍ गेल। जहि‍ना पानि‍ तहि‍ना ि‍बहाड़ि‍ अपन भीमकाय रूप बना नाचए लगल। सौँसे मेला साहोर-साहोरक आवाज हुअए लगल। मुदा सुनैले ने ि‍बहाड़ि‍ तैयार आ ने बरखा। ि‍बहारि‍ तँ उड़ि‍ कऽ पड़ा गेल मुदा, मुसलाधार बरखा सवा घंटा धरि‍ होइते रहल। दोकान सबहक छप्‍पड़ उड़ने सभ समान तीति‍-भीजि‍ गेल। उड़बो कएल। ककराकेँ देखत। सभ अपने जान बँचवै पाछु लागल। तहि‍ काल एकटा स्‍टेज दि‍ससँ कनै-कुहरैक अवाज उठए लगल। तते लोक स्‍टेजक उपर चढ़ि‍ गेल जे बल्‍ले सभ टूटि‍ गेल जहि‍सँ खसि‍ पड़ल। स्‍टेजक नि‍च्‍चॉं जे लोक सभ बैसल रहै ओकरा उपरेमे उपरका खसल। ककरा की भेलै से तँ अन्‍हारमे देखि‍ नहि‍ पड़ैत मुदा, कानै-कुहड़ैक आवाज टा सुनि‍ पड़ै। छबेटा ि‍सपाही डयूटीमे रहै। वएह बेचारा की करत। ककरा दोख लगाएत। पूजा समि‍ति‍क सदस्‍य आ ि‍सपाही ि‍मलि‍ गर लगौलक। देवन आ जोगि‍नदर राती-राती पड़ा गेल।
      खेला-पीलाक उपरान्‍त सजना ि‍पता दुनि‍यॉंलालकेँ कहलक- बाउ, पॉंच ि‍दनक मेला छै। एक दि‍ना रहैत तखैन ने देखैक धड़कफड़ि‍यो रहैत। से तँ नै अछि‍। सोलहो आना घर-अांगन छोड़ि‍ जाएबो उचि‍त नै। ि‍कएक तँ जते लोक मेला देखए औत ओ सभ ि‍क कोनो मेलेटा देखए औत। ि‍कयो छौँड़ा-छौँड़ीक खेल करए औत, ि‍कयो चाेरी-चपाटी करए औत। के की करए औत से के कहलक। तेँ अखैन हम दुनू परानी जाइ छी आ अधरति‍यामे आबि‍ तोरा उठा देवह। तखन तूँ जइहह।
      सजनाक बात दुनि‍यॉंलालकेँ जँचल। मने-मन मानि‍ लेलक। मुदा माए -तेतरी- बाजलि‍- राति‍-बि‍राति‍केँ देखए हम नै जाएव। साँझू पहरकेँ जाएव। काली-महरानीकेँ सॉंझो दऽ देवनि‍ आ गोड़ो लागि‍ लेबनि‍।
      माएक बात सुि‍न सजना ि‍कछु बाजल नहि‍। मेला देखए वि‍दा भेलि‍। ि‍कछु कालक बाद सजनाक पत्‍नी -सि‍ति‍या- सेहो स्‍त्रीगणक संग गेलि‍। पानि‍-बि‍हाड़ि‍ उठि‍तहि‍ सजना भागल। मुदा तइओ घर लग अबैत-अबैत नीक जेकॉं भीजि‍ गेल। अंगनाक पानि‍ जे नि‍कलैत रहैत तहि‍ठाम डेढ़ि‍या लग आबि‍ पि‍छड़ि‍ कऽ खसि‍ पड़ल। सौँसे देह थालो लगि‍ गेलै आ ठेहुनमे चोटो लगलै। मुदा हूवा कए कऽ उठि‍ ओहि‍ पानि‍मे थाल धाेय आंगन आएल। अखन धरि‍ ने दुनि‍यॉंलाल सुतल छलै आ ने तेतरी। ि‍कऐक तँ हवा देखि‍ तेतरी चुल्‍हि‍ आ मालक घरक घूरक आगि‍ ि‍मझा ओछाइनपर आइले छलि‍। हवाक रूखि‍ देखि‍ दुनि‍यॉंलाल पत्‍नीकेँ कहलक- तेहन हवा अछि‍ जे भरि‍सक घरो ने ठाढ़ रहत। तहूमे एक्‍कोटा खूँटा लकड़ीक नै अछि‍। सभटा बॉंसक अछि‍। बड़ गलती भेलि‍ जे चारि‍ये टा खूँटा बदललौं। सभ खूँटाक जरि‍ सड़ि‍ गेल अछि‍।
      तहि‍ बीच पछुऐतक तीनू पुरना खूँटा कड़कड़ा कऽ टुटि‍ गेलै। नवके खूँटा टा नहि‍ टुटलै। उत्तरबरि‍या-पूबरि‍या कोन लटैक गेलै। मुदा खसल नहि‍। जाड़सँ थरथराइत सजना ओसारपर आि‍ब माएकेँ कहलक- माए, भीज गेलौं। जाड़ो होइए। कनी लूँगी आ चद्दैर नि‍कालि‍ दे?”
  घरेसँ माए कहलक- भीजि‍लेहे धोतीक खूँटक पानि‍ गाड़ि‍ सौँसे देह पोछि‍ ले। लूँगी आ चद्दैर दइ छि‍औ।
      हाथक ओंगरी सजनाक कठुआइल। मुदा तइओ कहुना-कहुना कऽ धोतीक पानि‍ गाड़ि‍, अंगा नि‍कालि‍ सौँसे देह पोछलक। तेतरी डि‍बि‍या लेसए लगली। मुदा सलाइ सि‍मसि‍ गेने बरबे ने कएल। अन्‍हारेमे हथोरि‍-हथोि‍र लूँगि‍यो आ चद्दैरि‍याे नि‍कालि‍ कऽ दैत बाजलि‍- घूरो कऽ दैति‍यै से सलाइये ने बरैए। तोंही टा ऐलै आ कनि‍यॉं?”
  सजना- कहॉं कतौ देखलि‍यै। पानि‍क दुआरे कतौ अटकि‍ गेल हेतौ।
दुनू गोटे गप-सप्‍प करि‍ते रहै ि‍क रूपलालक घर कड़कड़ा कऽ खसल। रूपलाल दुनि‍यॉंलालक छोट भाए। रूपलाल घरेमे रहै। दू-चारी घर। कोनि‍याबला नहि‍ रहै। घरक दुनू चारक ओलती माटि‍ पकड़ि‍ लेलक आ दुनूक मठौठ ठाढ़े रहलै। पँजराक दुनू टाट टुटि‍ कऽ लबि‍ दुनू भाग घेरने रहल। ओइ बीचमे रूपलाल दबकल ठाढ़ भेल। जान अबग्रहमे जीबन-मृत्‍युक बीच पड़ल रहै। खूब जोर-जोरसँ हल्‍ला करै मुदा, झॉंट-पानि‍क दुआरे ि‍कयो सुनवे ने करै। एक तँ झॉंट-पानि‍ दोसर बान्‍हल माने घेराएल आवाज। ि‍कछु कालक उपरान्‍त मुनेसरी, जे दोसर घरमे रहए, सुनलक। अवाज सुनि‍ते मुनेसरी केवार खोलि‍ अोसारपर आइलि‍ ि‍क ि‍बजलोकाक इजोतमे घर खसल देखलक। खसल घर देखि‍ते बेटोकेँ उठौलक। दुनू गोटे जोर-जोरसँ हल्‍ला करए लगल। मुनेसरीक अवाज सुि‍न दुनि‍यॉंलाल सजनाकेँ कहलक- रौ सजना, रूपलालवाक घर खसि‍ पड़लै। दौड़ि‍ कऽ जो, देखही जे ि‍कयो दबेबो केलै?”
      जाड़सँ कठुआइल सजनाकेँ बरखामे नि‍कलैत अबूह लगै। मुदा की करत। मनमे द्वन्‍द्व सेहो उठि‍ गेलइ। एक ि‍दस पि‍त्तीक मोह तँ दोसर ि‍दस पि‍ति‍आइनि‍क बेवहारसँ कुपि‍त। मुदा ऐहन समएमे तँ जानक प्रश्‍न रहैक। दाेस्‍ती-दुसमनी तँ जीबैतमे रहै छैक। मन मसोसि‍ कऽ लुँगीक फॉंड़ बान्‍हि‍ नि‍कलल। हवो कमि‍ गेल रहै मुदा, बरखा होइते रहै। पाछुसँ दुनि‍यॉंलाल आ तेतरि‍यो गेल।
      रूपलालक दछि‍नबरि‍या घर खसल रहए। सजना पि‍ति‍आइनकेँ कहलक- काकी, एकटा इजोत आ हँसुआ नेने आउ? जाबे नीक-नाहॉंति‍ देखि‍ नै लेब ताबे कन्‍ना ि‍कछु करबै।
      हॉंसू नि‍कालि‍ कऽ दैत पि‍ति‍आइन बाजलि‍- बौआ, चोरवत्ती तँ पि‍ति‍ये लग अछि‍।
हॉंसू लैत सजना जोरसँ बाजल- कक्‍का हौ, कनी टार्चक इजोत दहक?”
  घरक तरसँ रूपलाल बाजल- चोरबत्ती तँ सि‍रमे लग रखने छलौं। उ तँ ठाठक तरमे पड़ि‍ गेल अछि‍।
  चोटो-तोटो लगलहहेँ?”
  नइ बौआ।
  अच्‍छा, तूँ चि‍न्‍ता नइ करह। हवो कम भेल आ बुन्‍नि‍यो पतड़ाएल जाइए।
      सजनाकेँ बुझवैत दुनि‍यॉंलाल कहलक- बौआ, घड़फड़ नै करह।
(भावोसँ)- कनि‍यॉं डि‍बि‍या नेसू।
  मुनेसरी डि‍बि‍या लेसि‍लक। इजोत होइते दुनि‍योलाल आ सजनो टाट हटबैक गर अँटबए लगल। ओलतीक खूँटा जे टुटि‍ कऽ कात भऽ गेल रहै आेकरा टाट देने घोसि‍यबैत कहलक- कक्‍का, अइ दुनू टोनकेँ पकड़ि‍ दुनू ठाठमे सोंगर लगा दहक। जइसँ ठाठ ऐम्‍हर-ओम्‍हर नै डोलतह।
  एकाएकी दुनू सोंगर दुनू ठाठमे रूपलाल लगौलक। सोंगर लगि‍ते सबहक मनमे खुशी एलै। सजनाकेँ दुनि‍यॉंलाल कहलक- सौँसे टाट हटबैक जरूरत अखन नइ छौ। दोग जेकॉं बना पहि‍ने आदमीकेँ बचा, तखन बुझल जेतैक।
  हॉंसूसँ तीनि‍-चारि‍टा टाटक बनहन काटि‍ सजना दोग जेकॉं बनौलक। दोग बनि‍ते रूपलाल बाजल- बौआ, नि‍कलै जोकर भऽ गेल। तूँ दुनू हाथे दुनू ठाठकेँ पकड़ने रहह।
  घरसँ नि‍कलि‍तहि‍ दुनि‍यॉंलालक पएर पकड़ि‍ रूपलाल कनैत बजए लगल- भैया, अपन सवांग दुनि‍यॉंमे सभसँ पैघ होइ छै। अखन जे तूँ दुनू बापूत नै रहि‍तह तँ घरेमे मरि‍ जैतौं।
  शान्‍त्‍वना दैत दुनि‍यॉंलाल कहलक- ऐना ढहलेल जेकॉं ि‍कअए बजै छेँ। अपन-वि‍रान लोक अपने बनबैए। तूँ तँ जानि‍ये कऽ छोट भाए छि‍येँ। समाज बड़ीटा होइ छै। गरीब लोक कोनो सुखे जीवैए। तखन तँ जाबे दुनि‍यॉंक दाना-पानी ि‍लखल रहै छै ताबे काहि‍यो काटि‍ कऽ जीवे करैए। मन थीर कर। जे होइ कऽ छलै से भेलै। थरथर ि‍कअए कपै छेँ।
  मुदा दुनि‍यॉंलालक बातक असरि‍ दुनू परानी रूपलालपर नहि‍ये जेकॉं पड़ल। भीतरसँ करेज डोलैत। मनमे होय जे फेरि‍ ने घरक तरमे दवा कऽ मरि‍ जाय। आंगन डेरौन लगए लगलै। जना ि‍कछु झपटैत होय तहि‍ना बुझि‍ पड़ै। ि‍मरमि‍रा कऽ रूपलाल बाजल- भैया, होइए जे सुति‍ रहब तँ फेरि‍ दोसरो घर खसि‍ पड़त।
  दुनि‍यॉंलालक मनमे एलै जे भरि‍सक डरे ऐना होइ छै। मुदा तइओ बोल-भरोस दैत कहलकै- घर तँ गि‍रमा-गि‍रि‍ए पड़लौ। आब ि‍क दोहरा कऽ खसतौ। जे घर बँचल छौ ओकर भीत केहेन मजगूत छै। उ थोड़े खसत। तहूमे झॉंटो-पानि‍ बन्ने भेल। नै तँ चल हमरे लग सुति‍हेँ। कनि‍यॉंकेँ पुछि‍ लहुन जे घरमे सुतब ि‍क अहूँकेँ डर होइए। जँ डर होइए तँ सजने माए लग सुति‍ रहब।
  दुनि‍यॉंलालक वि‍चार सुि‍न रूपलाल बाजल- भैया, सगरे देह झोल-झाल आ थाल-कादो लगि‍ गेल अछि‍। ओकरा पहि‍ने धुअए पड़त।
  ओना सभकेँ थाल-कोदो लगल रहै। सभ ि‍कयो कलपर जा सगरे देह धोलक। कलपरसँ आबि‍ मुनेसरी घर बन्‍न केलक। दुनू माए-पूत तेतरीक संग आ रूपलाल दुनि‍यॉंलालक संग धेलक। पूबरि‍या घरमे दुनि‍यॉंलाल भुँइयेमे ओछाइन ओछौने रहए। चौकी नहि‍ रहैक। ओछाइनपर बैसि‍ सि‍रमा तरसँ चुनौटी नि‍कालि‍ रूपलालकेँ दैत कहलक- पहि‍ने तमाकुल चुना।
  सकरीकट तमाकुलक डॉंट ि‍बछैत रूपलाल बाजल- भैया, आइ तँ मरि‍ गेल रहि‍तौं। जना हड़हड़ा कऽ घर खसल तना जँ ओछाइन छोड़ि‍ सतरकी नइ करि‍तौं तँ चाहे मरि‍ जइतौं नै तँ अंग-भंग भऽ गेल रहि‍तए। मुदा माए-बापक धर्मे कुशल कलेप नइ लागल। नइ तँ दुनि‍यॉं अन्‍हार भऽ जाइत।
  रूपलालक वि‍चारकेँ अंकैत दुनि‍यॉंलाल उत्तर देलक- ई देहे तँ कुम्‍हारक बनौल कॉंच बरतन जेकॉं अछि‍। जहि‍ना कँचका बरतन एक रत्ती धक्‍का लगने फुइट जाइत तहि‍ना ने देहो छी। मुदा से लोक वि‍सरि‍ दँति‍या कऽ पकड़ने रहैए। जँ ई बात सभ बुझि‍ जाए जे जि‍नगीक कोनो ठेकान नइ अछि‍ तखन अनेरे ि‍कअए झूठो-फूि‍स बजै छी आ अधलासँ अधला काजो करै छी। तेँ जतबे दि‍न जीवै छी ओतवे दि‍न इमानदारीसँ कमा कऽ पेटो भरी आ जहॉं धरि‍ भऽ सकै तहॉं धरि‍ अनको उपकार करि‍यै। यएह उपकार ने धर्मो छी आ मुइला बादोक जि‍नगी छी।
  मुँह बॉंबि‍ रूपलाल पुछलक- भैया, फेनोसँ एक बेर आरो कहक?”
  रूपलालक प्रश्‍न सुनि‍ दुनि‍यॉंलाल मने-मन सोचए लगल जे भरि‍सक एकरा ज्ञानक उदए भेल जा रहल छै। फेि‍र भेलै जे कोनो बेर पड़लापर एहि‍ना लोकक मनमे नीक वि‍चार जगै छै मुदा, लगले रूि‍क जाइ छै। बुझबैत बाजल- बौआ, अगर जँ लोक ई बुझि‍ जाए जे अइ देहक कोनो ठेकान नै अछि‍। कखन छी कखन नै छी तइले ककरो बेजाए ि‍कअए करबै। जँ ई वि‍चार लोकक मनमे आि‍ब जाए आ ओइ हि‍साबसे अपन चालि सुधारि‍ लि‍अए ते ककरो अधला हेतइ। एक ते ओहि‍ना लोक‍ समस्‍या सभसे रेजानि‍स-रेजानि‍स रहैत अछि‍ तइपर से सदति‍काल लोको ि‍कछु नै ि‍कछु गड़बड़ करि‍ते रहै छै। कोना ि‍कयो कखनो चैनसे रहत। तोंही कह जे केहेन बढ़ि‍यॉं दुनू भॉंइ जखन जरमे छेलौं तखैन तोरा कोनो भार छेलौ। खाली संग मि‍लि‍ कमाइ छेलेँ। आि‍क नै? तखन भीने ि‍कअए भेलेँ। जखन भीन भेलेँ तखन जँ ि‍कछु कहि‍ति‍यौ ते कनि‍यॉं कहि‍तथुन जे भैया घर फुटबै छथि‍। तहूले झगड़ा होइतौ। तइसँ नीक ने जे भरमे-सरम मुँह बन्‍न केने रहलौं। तहूँ बात थोड़े सुनि‍तेँ। जे कनि‍यॉं कहि‍तथुन सएह मानि‍तेँ। ई की कोनो हमरे-तोरेमे होइये से ते नहि‍। सभकेँ यएह गति‍ छै।
  पछबरि‍या घरमे तेतरी सुतैत। पूबरि‍या झटक भेने सौँसे ओसारो आ मुँह सोझे घरोमे पच-पच करैत। मुदा तइओ तेतरी चुल्‍हि‍क छौर छीटि‍ घरकेँ रूख बनौलक। जेठ रहि‍तो वेचारी मुँहसच्‍च मुदा, छोट रहि‍तो मुनेसरी मुँहजोर। सदि‍खन अपन बात दोसरपर चढ़ाइये कऽ रखैत। जहि‍सँ जखन कखनो दुनू दि‍यादि‍नीमे कोनो गप हाेय तँ मुनेसरी चोहटि‍ दइ। मुदा आइ बि‍लमे जाइत सॉंप जेकॉं मुनेसरीक मन सोझ भऽ गेल। जना सभ ताव मरि‍ गेल होय, तहि‍ना। हत्‍याराक खूनमे ताधरि‍ गरमी रहैत छैक जाधरि‍ फॉंसीपर नहि‍ लटकैत अछि‍। मुदा फॉंसीपर लटकि‍ते सवि‍तासँ सूर्यक उदए जेकॉं ज्ञानक उदए होइत अछि‍। तहि‍ना आइ मुनेसरि‍योकेँ भेलि‍। तेतरि‍येक ि‍वछानपर दुनू माए-पूत मुनेसरि‍यो सुतल।
      दुनि‍यॉंलालक बात सुि‍न रूपलाल गुम्‍म भऽ गेल। एक तँ दुनि‍यॉंलालक वि‍चार मनकेँ झकझोड़ि‍ देलकै तइपर सँ गि‍रल घरक सोग सेहो दबने रहए। कने काल गुम्‍म रहि‍ रूपलाल मूड़ी डोलबैत बाजल- हँ, ई तँ सत्ते कहलह भैया।
  अपन ि‍करदानीपर पचताइत देखि‍ दुनि‍यॉंलाल बाजल- आब तोंही कह जे जखैन दुनू भॉंइ एकठाम छलौं तखन तोरा घरक कोनो भार छेलौ। जानि‍ये कऽ तँ गरीब घरमे जन्‍म भेल अछि‍। केहेन बढ़ि‍यॉं दुनू भॉंइ संगे बोनि‍-बुत्ता करै छलौं आ ि‍मलानसँ रहै छलौं। अपना कत्ते खेते अछि‍। लऽ दऽ कऽ सात-सात कट्ठा बाधमे आ घरारी छौ। जेकरा बीघा-बीघे छै ओकरो हजार टा भूर सदि‍काल फुटले रहै छै, जइसँ मन घोर-घोर भेल रहै छै। जेकरा नै छै ओ तँ सहजे भूरेमे घोसि‍आएल रहैत अछि‍।
  दुनि‍यॉंलालक वि‍चार सुि‍न रूपलालक मन केरा भालरि‍ जेकॉं डोलए लगल। ढेरो प्रश्‍न मनमे उठए लगलै। बेबसीक स्‍वरमे बाजल- की नीक की अधलाह से बुझवे ने करै छी। लोकक मुँहे जे सुनै छी से मानि‍ करै छी।
  रूपलालक हारल मन देखि‍ दुनि‍यॉंलालक मन वि‍चारक रास्‍तापर अंटकि‍ गेल। मन हुअए लगलै जे कि‍ कहि‍अइ। एक दि‍स छोट भाइक ममता दबैत तँ दोसर दि‍स स्‍त्रीगणक झगड़ासँ मन अकच्‍छ रहए। ि‍बना ि‍कछु बजनहि‍ दयासँ भरल ऑंखि‍ रूपलालकेँ पढ़ए लगल।
  पछवरि‍या घरमे दुनू ि‍दयादि‍नी, एक वामा करे आ दोसर दहि‍ना करे पड़ल। बीचमे चीत गरे मुनेसरीक बेटा सुतल। दुनूक मनकेँ पानि‍-ि‍बहाड़ि‍क घटना दवने रहए। जइसँ नि‍न्‍न नि‍पत्ता रहए। अनायास मुनेसरीकेँ नैहरक एकटा घटना मन पड़लै। घटना मनमे अबि‍ते बाजलि‍- तेसरॉं, हमरा नैहरमे एक गोरेक घर एहि‍ना ि‍बहाड़ि‍मे खसि‍ पड़लै। घरवारी घरेमे रहए। बेचाराकेँ चोटो खूब लगलै। डेनो टुटि‍ गेलै आ कपारो फुटि‍ गेलै। मुदा रहए कपारक जोरगर जे मरल नहि‍। कपारक घाव तँ छुटि‍ गेलै मुदा, डेन नै जुटलै। ओहि‍ना लर-लर करै छै। बड़ कष्‍ट बेचाराकेँ होइ छै। अपना खेत-पथार नै रहने बोनि‍ करै छलै। मुदा समांग खसने बोहुओ छोड़ि‍ कऽ पड़ा गेलै। हारि‍-थाि‍क कऽ बेचारा भीख मंगैए।
      मुनेसरीक कथा सुनि‍ तेतरीक मनमे दया उपकलै। मुदा दुनूक मन आरो डरा गेल। जहिना‍ कठि‍आरीसँ घुमैत काल सभ राम-राम सत है, सभको एही गति‍ है। बजैत आंगन अबैत तहि‍ना तेतरि‍योकेँ नैहरक घटना मन पड़ल। बाजलि‍- एक बेरि‍ हमरो नैहरमे बड़का बाढ़ि‍ आएल रहए। ऐहेन बाढ़ि‍ कहि‍यो ने देखि‍ने रहि‍यै। जलखै बेरि‍मे एक गोरे बजलै जे बाढ़ि‍ अबै छै। रोटी पकबैत रही। माए घास लऽ गेल रहए। रोटी पकाइलो ने भेलि‍ ि‍क घर लग पानि‍ चलि‍ आएल। चुल्‍हि‍ तरसँ उठि‍ बान्‍हपर गेलौं ि‍क देखलि‍यै जे चानी जेकॉं बाढ़ि‍ पीटने अबैए। धॉंइ-धॉंइ भीतघर सभ खसए लगलै। लुटना बाध गेल रहै। बाधेसँ दौगल आबि‍ घर पैसल। चाउरक कोठीमे लत्तामे बान्‍हि‍ कऽ रूपैया रखने रहए। कोठीसँ जहॉं रूपैया नि‍कालए लगल ि‍क देहेपर कोठी खसि‍ पड़लै। माटि‍क गोरा भीजि‍ कऽ ढील भऽ गेल रहए। कोठि‍ये तरमे लुटना पड़ि‍ गेल। तरेसँ हल्‍ला करए लगल। जाबे लोक सभ अबै-अबै ताबे घरो खसि‍ पड़लै। बेचारा तरेमे छटपटा कऽ मरि‍ गेल।
  तेतरीक खि‍स्‍सा सुनि‍ मुनेसरी आरो डरा गेलि‍। दुनू दि‍यादि‍नीक देह थर-थर कपए लगलै। नीन आरो दूर चलि‍ गेलै। डरे दुनू ि‍बछानेपर एक करसँ दोसर कर लगले-लगले उनटए-पुनटए लगल। मुदा ि‍कछु बाजति‍ नहि‍। हारि‍ कऽ मुनेसरी बाजलि‍- दीदी, हमरा डर होइए।
  मुनेसरीक बात सुि‍न तेतरि‍यो समर्थन करैत बाजलि‍- हँ, हए कनि‍यॉं, हमरो डर होइए। चलह पूबरि‍ये घर। जँ मरबो करब तँ सबतुर संगे मरब।
  कहि‍ उठि‍ कऽ बैसि‍ गेल। मुनेसरि‍यो बेटाकेँ उठबए लगल। बेटो जगले। फुड़फुड़ा कऽ उठल। ि‍बछान समेटि‍ तेतरी पॉंजमे लेलक आ मुनेसरी बेटाकेँ कन्‍हा लगा पूबरि‍या ओसारपर पहुँचल। ओसारपर पहुँचते तेतरीक जोरसँ बाजलि‍- कनी घर खोलू?”
  घरेसँ दुनि‍यॉंलाल पुछलक- ि‍कअए? की भेल?”
  ओइ घरमे डर होइए। अही घरमे सभ सुतब।
  अइ घरमे हम दुनू भॉंइ छी तखन अहॉं दुनू गोरे कन्‍ना सुतब?”
  बेरि‍ बि‍पैत्ति‍मे ई सभ लोक नै बुझै छै। पहि‍ने घर खोलू।
  फटक खोलि‍ रूपलाल अपन वि‍छान घुसकौलक। मोख लग डिबि‍या राखि‍ मुनेसरी ि‍वछान वि‍छौलक।
  तहि‍काल सि‍ताहल नढ़ि‍या जेकॉं सजनाक स्‍त्री सेहो अांगन पहुँचलि‍।
    एकटा बि‍छानपर दुनू भॉंइ दुनि‍यॉंलाल आ दोसर ि‍बछानपर दुनू ि‍दयादि‍नी तेतरी बच्‍चा संग सुतैक ओि‍रयान केलक। दुनि‍यॉंलाल ि‍सरमापर माथ रखि‍ पड़ि‍ रहल। आरो गोटे बैसि‍ले रहल। बच्‍चा सेहो सुति‍ रहल। दुनू परानी रूपलालक मनसँ डर हटबे ने करै। होइ जे फेि‍र ने देहेपर घर खसि‍ पड़ए। एक बेरि‍ बड़का भूमकम भेल। भूमकम तँ अढ़ाइये-तीन मि‍नट रहल, मुदा तेहि‍मे घर-द्वार गाछ-वि‍रीछकेँ तँ खसेबे केलक जे कते लोको दबा-दबा मरल। भूमकम तँ लगले समाप्‍त भऽ गेल मुदा, तीनि‍ दि‍न धरि‍ रहि‍-रहि‍ कते बेरि‍ धरती डोलल। तहि‍ना होइ जे बड़का झॉंट-ि‍बहाड़ि‍ ने चलि‍ गेल। मुदा कहीं छोटका सभ ने फेरि‍ घुि‍र-घुरि‍ अबै। तहूमे कोन ठेकान जँ छोटकेसँ बड़को चलि‍ आवए। तेँ दुनू गोटेक मन सशंकि‍त भेल रहए। तेतरीक मन सुतैक होय मुदा, सोचए जे पुरूख बैसल रहत आ हम कोना सुति‍ रहब। तहूमे ि‍डबि‍या जरि‍ते अछि‍। डि‍बि‍याे कन्‍ना मि‍झाएब? बेरि‍-वि‍पत्ति‍मे इजोते मदति‍गार होइत अछि‍। दुनि‍यॉंलालकेँ तमाकुल दैत रूपलाल कहलक- भैया, आइ बुझि‍ पड़ल जे अपन सहोदर केहेन होइ छै?”
  ओछाइनपर सँ उठि‍ दुनि‍यॉंलाल आंगनमे थूक फेि‍क मुस्‍की दैत उत्तर देलक- तखन भीन ि‍कअए भेलै? तोंही कह जे अपना दुनू गोरे सहोदर भॉंइ छी की ने। जखैन सहोदरमे ि‍मलान नै रहत तखन अान तँ आने छी। मनुक्‍खमे एते बुद्धि‍ होइ छै तखन ई गति‍ छै जे भाए-भाएमे दुसमनी भऽ जाइ छै। अगर जँ एहि‍ना सभ मनुक्‍खमे होय तखन ओहन मनुक्‍खसँ उपकारक कोन आशा। अइसँ नीक तँ गाइये-बड़द। जे दूधो दइए आ हरो बहैए।
  दुनि‍यॉंलालक वि‍चार सुनि‍ रूपलाल उठि‍ कऽ आंगनमे थूक फेकि‍ कऽ आबि‍ बाजल- भैया, धरमागती बात कहै छि‍अह। दुरागमनक पछाति‍ जे वि‍दागरी करबै पठौने रहह, ओइ दि‍नक बात कहै छि‍अह। अपनो सौस आ टोलोक मौगी सभ आबि‍ कऽ लगमे बैसलि‍। अपना बुझि‍ पड़ए जे जहि‍ना बि‍रदावनमे कृष्‍ण गोपी सबहक संग वैसि‍ कऽ गप-सप्‍प करैत छलाह तहि‍ना हमहूँ छी। एक मुहरी सभ स्‍त्रीगण कहए लागलि‍ जे अहॉंक भाए बड़ छनकट अछि‍। कतबो कमाएव तँ भाभन्‍स हुअए देत। अहॉं दुनू परानी कमाएव आ ओ कोशल करत। जखैन हाथ-मुट्ठी गरमा जेतै तखन भीन कऽ देत। अखैन दुनू परानी जुआन छी कमाइ-खटाइ छी। अखैन नै ि‍कछु बना लेब तँ जखैन धि‍या-पूता हएत खरचा बढ़त तखैन कएल हएत। तेँ नीक कहै छी जे अखने भीन भऽ जाउ। नै तँ पाछु पचताएब।
  रूपलालक बात सुि‍न दुनि‍यॉंलाल ठहाका मारि‍ हँसल। हँसैत ओछाइनपर सँ उठि‍ मुँहक तमाकुल आंगनमे फेि‍क कऽ आबि‍ बुझबैत बाजल- कोइ जे तोरा ि‍कछु कहलकौ आ तू मानि‍ गेलेँ से अपन बुद्धि‍ कतए गेल छलौ। तू नै देखै छेलही जे दुनू भॉंइ संगे बोनि‍ करैले जाइ छलौं आ आंगनमे भौजाइ भरि‍ दि‍न अंगना-घरक काज सम्‍हारि‍ जरना-काठीक ओरि‍यान करै छेलखुन। तइपर एकटा नांगरि‍क घास-भूसा आ भानस-भात, खुऔनाइ-पि‍औनाइसँ लऽ कऽ बरतन-वासन धरि‍ मँजैत छेलखुन, से सभ अपना ऑंखि‍ये नै देखै छेलही। तोंही कह जे सत बात की छलै आ मौगी सबहक कान भरने तूँ की बुझलीही।
  अपसोच कऽ मूड़ी डोलबैत रूपलाल मि‍रमि‍रा कऽ बाजल- हँ भैया, ई तँ ठीके कहै छह।
   अपने ऑंखि‍सँ जे देखै छेलही से झूठ बुझि‍ पड़लौ आ जे झूठ बात सुनलेँ ओकरा सत मानि‍ लेलही। एकरे कहै छै मौगि‍याही भॉंज। तोरे जेकॉं आनो-आन मौगि‍याही भॉंजमे पड़ि‍ कुल-खानदानक नाक-कान कटबैए। नैहरसँ सासुर जाइ काल जे मौगी सभ कानि‍-कानि‍ बजैए से ि‍क कहै छै से बुझै छीही। ओ कहै छै जे जहि‍ना बाप-माइक घरारीपर हम कनै छी तहि‍ना बाप-दादाक घरारीपर घरबलाकेँ कनाएव। अरे एतबो ने बुझै छीही जे दुि‍नयॉंमे सभ कुछ मि‍लि‍ सकैए मुदा, सहोदर भाय नै मि‍लैत अछि‍। भाइयक खाति‍र लक्ष्‍मण स्‍त्री परि‍वार, समाज सभ छोड़ि‍ देलखि‍न मुदा, भाइयक संग अंति‍म समए धरि‍ रहलखि‍न। आइ तोरा के काज दइले ऐलौ। कनि‍यो जँ हमरा मनमे पाप रहैत तँ तोरा घरेमे मरैले नइ छोड़ि‍ दैति‍यो। नै तँ झीकि‍-झॉंकि‍ कऽ ठाठ देहेपर खसा दैति‍यौ। नै मरि‍ते तँ हाथो-पएर तँ टुटबे कैरतौ।
  नमहर सॉंस छोड़ैत रूपलाल ऑंखि‍ ि‍मड़ैत बाजल- भैया, आइ बुझि‍ पड़ैए जे सभ ठकि‍ लेलक।
   कान पाथि‍ कऽ सुनि‍ले। जहि‍ना मनुख सभसँ पैघ जीव अइ धरतीपर अछि‍, जे बड़का-बड़का चमत्‍कारी काजो करैत अछि‍ तहि‍ना छुतहरो अछि‍। देखबीही जे जेकरा कनी बुद्धि‍-अकील छै ओ सदति‍काल बुड़ि‍वक सभक कमाइ ठकि‍-ठकि‍ मौजसँ खाति‍ अछि‍। खेबे टा नै करैत अछि‍ ओकर बोहू-बेटीक संग कुत्ता-बि‍लाइ जेकॉं इज्‍जतो लुटैत अछि‍।
  भैया, आइ बुझि‍ पड़ैए जे हमर बाप मरल नै जीवि‍ते अछि‍।
  पि‍ताक रूपमे अपनाकेँ पाबि‍ दुनि‍यॉंलालक हृदय पसीज गेल। बाजल- बौआ, जे समए बीति‍ गेल ओ तँ बीति‍ गेल। ओ आब थोड़े घुमि‍ कऽ औत। मुदा जाबे जीबैत रहब, तहि‍ बीच जे समए अछि‍ ओ तँ बँचल अछि‍। हमरा तू मोजर देँ आकि‍ नै देँ मुदा, अपन सीमा तँ हमहूँ बुझै छी ि‍क ने। अपन कमाइ खाइ छी अपने औरूदे जीवै छी। तइले दोसराक कोन आशा। अपन काज दुसैबला नइ करब। जँ ककरो नीक कएल नै हएत तँ अधले ि‍कअए करबै। तोरा प्रति‍ जे काज अछि‍ सएह ने करब।
  भैया, आब आेंघी पीपनीपर आबि‍ गेल। राति‍यो बेसी भऽ गेल। तोहूँ सुतह अा हमहूँ सुतै छी।
  मुनेसरीक मन सेहो उनटैत-पुनटैत मुदा, थीर भइये ने पबैत। एक दि‍स अपन पैछला जि‍नगीक बाट टूटैत तँ दोसर दि‍स नव बाटक बोध नहि‍ रहने बोनाह बुझि‍ पड़ैत रहए। मुदा दुनि‍यॉंलालक वि‍चारसँ झलफलाएल बाट जरूर देखि‍ पड़ैत रहए। जहि‍सँ मनमे ि‍कछु बदलाव रहए। मनमे उठलै जे जँ नैहरक स्‍त्रीगणक नीक सि‍खौल रहैत तँ नीक होइत रहि‍ते। से तँ नहि‍ भेल। मोम जेकॉं मन पघि‍लए लगलै। मुदा कि‍छु बजैक साहसे ने होय। जहि‍ना मालती फुलक सुगंधसँ वि‍षधर सॉंप लत्तीमे लटपटा चेतना शून्‍य बनि‍ जाइत तहि‍ना मुनेसरि‍यो मन भऽ गेल। मने-मन गलती कबूल करैत तेतरीकेँ कहलक- दीदी, ई सुतथु जॉंति‍ दइ छि‍यनि‍।
  मुनेसरीक बातसँ तेतरीकेँ खौंझ उठल, बाजलि‍- तोरा एक्‍को पाइ लाज-सरम नै छह जे जइ घरमे पुरूख-पात्र छथि‍ तइठाम तूँ जँतबह। एक तँ भगवान वि‍पत्ति‍ देलनि‍ जे सभ ि‍कयो एक घरमे सुतैले एलौं। डि‍बि‍या मि‍क्षा दहक जइसँ कने परदा भऽ जाएत आ तोहूँ सुति‍ रह-अ।
  डि‍बि‍या मि‍झाएव सुनि‍ मुनेसरीक मन तत्-मत् करए लगल जे इजोतमे तँ देखबो करै छी अन्‍हारमे की हएत की नइ से देखबो ने करब। मुदा तइओ उठि‍ कऽ डि‍बि‍या मि‍झा कले-बल पड़ि‍ रहल।
    काल्‍हि‍ये -दि‍वालीसँ एक दि‍न- पूर्व ‍ओठर होइत देि‍ख‍ अनुप काली पूजाक हकार दि‍अए गेल। बहीनोक सासुर, अपनो सासुर आ मात्रि‍को एक्‍के डोि‍रमे। कने घुमौन रहि‍तो सोचलक जे पहि‍ने बहीन ऐठाम पहुँच हकारो दऽ देवै आ अवैयोले कहि‍ देबइ। मुदा ओइठीन अँटकब नहि‍। झलफल होइत-होइत सासुर चलि‍ जाएव। ओइठीन राति‍मे अटकि‍ जाएव। ि‍कऐक तँ अखनो बुढ़ि‍केँ छन्‍हि‍ जे कतबो धड़फड़ाएल रहब तइओ नहि‍ये आबए देतीह। काल्‍हि‍ भोर मात्रि‍क होइत चलि‍ आएव। छोड़ैबला एक्‍कोटा नइ अछि‍। एक तँ ओहुना बहीनक मनमे होइत हएत जे जाधरि‍ माए-बाप जीवैत छलाह ताधरि‍ ने नैहर छल मुदा, भाए-भौजाइ ककर होइ छै जे हम्‍मर हएत। मुदा हमर बात थोड़े बुझैत हएत जे दू थान महींस अछि‍ ओकरे पाछु भरि‍ दि‍न तबाह रहै छी। अोहुना तँ सालमे एक दू-बेरि‍ अनबे करै छि‍यै आ जेबो करते छि‍यै। मुदा तइयो मनमे होइते हेतै जे बि‍सरि‍ गेल। तेँ पहि‍ने ओकरे ऐठाँ जाएब।
    दोसर दि‍न दस-एगारह बजे घुमि‍ कऽ अबि‍ते अनुप देखलक जे महींस पाल खाइले बो-बॉं करैए। एक तँ रस्‍ताक थाकल तइपर सँ महींसकेँ डि‍रि‍आइत देख मन तमसा गेलै मुदा, लछमी पावनि‍ दि‍न लगले मनमे खुशी ऐलै। हॉंइ-हॉंइ कऽ खेलक आ महींस लऽ कऽ पारा लग वि‍दा भेल। गाममे पारा नहि‍ रहने बगलक गाम पहुँचल। गाम पहुँचते पता लगलै अखने एकटा महींसक संग दछि‍न मुँहे गेल। फेि‍र ओहि‍ गामसँ दाेसर गाम ि‍वदा भेल। दोसरो गाममे पता लगलै जे दछि‍न मुँहे गेल। जाति‍-जाि‍त चारि‍ बजेमे एकटा गाछीमे महींसमे पारा लगल देखलक। जेहने देखैमे पारा भारी तेहने नमहर-नमहर सि‍ंघो रहए। मरखाहक दुआरे महींसबला महींसकेँ गाछमे बान्‍हि‍ हटि‍ कऽ बैसल रहए। फरि‍क्‍केमे अनुपक महींसकेँ देखि‍ पारा दौगल। पाराकेँ अबैत देखि‍ अनुप हॉंइ-हॉंइ कऽ एकटा गाछमे महींसकेँ बान्‍हि‍ दोसर गाछपर चढ़ि‍ गेल। तहि‍ बीच पहि‍लुका महींसबला अपन महींसक डोरी खोलि‍ ससरि‍ गेल। अनुपक महींस लग आवि‍ पारा गछाड़ि‍ लेलक। लगले-लगले तीन-चारि‍ मूठ पारा देलक। मूठ सुतरैत देखि‍ अनुपक मन खुशीसँ नाचि‍ उठल। मुदा पारा डरे गाछपर सँ उतड़बे ने करए। महीसि‍ लग पारा बैसि‍ रहल। मुदा महीसि‍ ठाढ़े रहल। अनुपक मनमे हाय जे जँ महीसो बैसि‍ जाएत तँ ढरकि‍ जाएत। जइसँ पाल सुतरबे ने करत।
    सॉंझ पड़ि‍ गेल। अमवसि‍या दि‍न रहने दोसरि‍ सॉंझ होइत-होइत अन्‍हार भऽ गेल। अनुपो गाछपर सँ उतड़ि‍ हटि‍ कऽ बैसि‍ गेल। अन्‍हार देखि‍ अनुपक मनमे होय जे असकरे छी कोना गाम जाएव? तहूमे तेहेन पारा शेतान अछि‍ जे छोड़बो ने करैए। राति‍क दस बजि‍ गेल। हवो उठल आ बून्‍दा-बुन्‍दी पानि‍यो शुरू भेल। पानि‍ पड़ि‍ते पारा महींसकेँ छोड़ि‍ गाम दि‍स वि‍दा भेल। हवो आ पानि‍यो तेज हुअए लगल। एक तँ अन्‍हरि‍या राति‍ तइपर सँ पानि‍-हवा जोर पकड़ने जाइत। महींसक संग अनुप गाम दि‍स वि‍दा भेल। कनि‍ये आगू बढ़ल ि‍क झॉंट-पानि आरो‍ जोर पकड़ैत गेल। अधा रास्‍ता अबैत-अबैत मुसलाधार बरखो आ वि‍हाड़ि‍यो जोर पकड़ि‍ लेलक। अवग्रहमे अनुप पड़ि‍ गेल। अबग्रहमे पड़ल अनुप सोचए लगल जे आइ नइ वँचब। अपटी खेतमे महींसो आ अपनो मरि‍ जाएव। हाथ-हाथ नहि‍ सुझैत अछि‍। ने कतौ एकोटा लोक देखै छी आ ने अपना कोनो इजोत अछि‍। बीच पॉंतरमे कन्‍ना जाएब? तहूँमे अंगो ने पहि‍रने छी। देहमे जेहो कपड़ा अछि‍ सेहो भीजि‍ये गेल अछि‍। जाड़ो होइए। जि‍नगीक आशा अनुपकेँ टुटि‍ गेल। मन मानि‍ गेलइ जे आइ नइ बँचव। जखन अपने नइ बँचब तखन महींसे कोन काज देत। बुकौर लगि‍ गेलइ। मुदा कानबो के सुनत? ि‍बजलोका देखि‍ होइ जे देहेपर ने  खसि‍ पड़ए।
    हवा बन्‍न भेल। हवा बन्‍न होइते मनमे आशा जगलै मुदा घनघनाैआ बरखा होइते रहए। गाम पहुँचैत-पहुँचैत बरखो बन्‍न भेल। घरपर आबि‍ थरथराइत अवाजमे अनुप घरवालीकेँ कहलक- हाथ-पएर कठुआ गेल अछि‍। कनी घूर करू।
  बेटा, नसीवलाल महींस बन्‍हलक। भुलि‍या अनुकेँ कहलक- जाबे अहॉं धोती फेड़व ताबे घूरक ओरि‍यान कऽ दइ छी।
  घरवालीक बात तँ अनुप सुनलक मुदा, जाड़े-कठुआ कऽ खसि‍ पड़ल। जाड़सँ देह सर्द-सर्द भेल रहए। बोली बन्‍न भऽ गेलै। तइपर सँ भीजल कपड़ा सेहो रहै। हॉंइ-हॉंइ कऽ भुलि‍या फुटलाहा  लोहि‍यामे गोरहा-गोइठा तोड़ि‍-तोड़ि‍ दऽ मटि‍या तेल ढाि‍र सलाइ खरड़ि‍ कऽ लगौलक। घूर धधकल। बेटी सुनरीकेँ भूलि‍या कहलक- बुच्‍ची, झब दऽ करौछमे चारि‍ ढेकरी थकुच कऽ लसुन आ करूतेल ला। अही घूरपर गरमा कऽ सौंसे देह मालि‍स कऽ देवनि‍।
  माइक बात सुि‍न सुनरी चारमे टॉंगल लसुनक मुट्ठीमे सँ एकटा ढेंसर नि‍कालि‍, दाना छोड़ा सि‍लौटपर थकुचलक। शीशीसँ तेल ि‍नकालि‍ करौछ घूरपर गरमबए लगल। तीनू गोटे -पत्‍नी, बेटा, बेटी- केँ मनमे हाेय जे भरि‍सक कठुआ कऽ मरि‍ गेल। मुदा सॉंस चलैत देखि‍ आशा बनल रहए। लसुन-तेलासँ तीनू गोटे दुनू तरबो आ दुनू तरहत्‍थि‍योकेँ हाथसँ रगड़ए लगल। पान-सात मि‍नट रगड़लापर अनुप ऑंखि‍ खोलि‍ बाजल- जाड़ कनी कम भेल।
  अनुपक बात सुि‍न आरो हॉंइ-हाँइ तीनू गोटे रगड़ए लगल। तरहत्‍थी रगड़ब छोड़ि‍ नसीवलाल चानि‍ रगड़ए लगल। मन हल्‍लुक होइते अनुप बाजल- जाड़े छाती दलकैए। कनी चाह बनाउ। जाबे भीतर नै गरमाएत ताबे जाड़ नै छुटत।
  पति‍क बात सुि‍न भुि‍लया चाह बनबैक ओरि‍यान करए लागलि‍। चाह-पत्ती तँ घरमे रहए मुदा, चि‍न्‍नी घरमे रहवे ने करै। एत्ते राति‍ आ ऐहन समएमे दोकानसँ चीनी कोना अनैत। पति‍केँ भुलि‍या कहलक- चाह पत्ती तँ घरमे अछि‍ मुदा, चि‍न्‍नी अछि‍ये नहि‍।
  पत्‍नीक बात सुि‍न अनुप कहलक- चीनी नइ अछि‍ तँ नूने दऽ कऽ बना लि‍अ। ऐहन समएमे कत्तए सँ आनब।
  भुि‍लया चाह बनबए लगलीह। बेटाकेँ अनुप कहलक- बौआ, कनी थमि‍ जा, धोती फेड़ि‍ लइ छी। कहि‍ उठि‍ कऽ धोती बदलि‍ गंजी पहीरि‍लक। चाहो बनल। स्‍टीलि‍या गि‍लासमे भरि‍ गि‍लास करीव 250 एम.एल; छानि‍ भुि‍लया अनुपकेँ देलक। जेहने जड़ाएल देह तेहने मुँह रहने चाह गर्म बुझि‍ये ने पड़ै। पानि‍ये जेकॉं घोंटे-घोंट पीबए लगल। अधा ि‍गलास पीबैत-पीवैत देह गरमेले। देह गरमाइते हुहुआ कऽ बोखार अबए लगलै। चाह पीबैत-पीबैत बोखार आबि‍ गेलै। जाड़ हुअए लगलै। ओछाइनेपर पड़ि‍ बेटाकेँ कहलक- बौआ, बड़ जाड़ होइए कनी कम्‍मल नि‍कालि‍ कऽ लाबह।
    कम्‍मल ओढ़ि‍ पड़ि‍ रहल। मुदा जाड़ कमैक बदला बढ़ले जाय। पुन: अनुप बाजल- एकटा कम्‍मलसँ जाड़ नै कमत। आरो अोढ़ावह।
  घरक तीनू कम्‍मल ओढ़ि‍ते देह गरमाएल। देह गरमाइते बाजल- बौआ, देहसँ खौंत फेकैए।
  खौंत सुि‍न भुि‍लया बाजलि‍- सरद-गरम भऽ गेल। एती राति‍मे डाकडरो ऐठीन कन्‍ना पठेबे। तइमे तेहेन दुरकाल समए अछि‍ जे ओहो औत ि‍क नै।
  नि‍राश होइत अनुप बाजल- जँ औरूदा हएत जीवे करब नै जे रसीद कटि‍ गेल हएत तँ डाक्‍टरो बुते थोड़बे बॉंचव।
  भुलि‍या- महींसक पाछु जे जान गमबै छी तइसँ नीक जे महींसे बेच लेब।
  आशा भरल स्‍वरमे अनुप पत्‍नीकेँ उत्तर देलक- अही महींसक बले तँ दूटा पाइयो देखै छी आ गुजरो करै छी। जँ एकरे बेचि‍ लेब तँ जीवि‍ कन्‍ना। जि‍नगीमे एहि‍ना नीक-अधला समए अबै-जाइ छै, तइले कि‍ काजे छोड़ि‍ देब। मरै कए कोनाे ठेकान छै। चलि‍तो काल लोक खसि‍ पड़ैए आ मरि‍ जाइए। तइले महीसि‍ कि‍अए उपटाएव।
  अहि‍ अजकल पोरूसाल गाममे कि‍सान गोष्‍ठी भेल रहै। ओहि‍ गोष्‍ठीमे जि‍लोक कृषि‍-पदाधि‍कारी आ ब्‍लौकक पदाधि‍कारी सभ सेहो आइल रहथि‍। ओना गामक लेल पहि‍ल गोष्‍ठी छलए। जहि‍मे कि‍सानक दुख-दर्दकेँ लगसँ देखल गेल रहै। ओहि‍ दि‍न गामोक ि‍कसानकेँ सरकारमे अपन भागीदारी बुझि‍ पड़ल रहै। ि‍कऐक तँ अखन धरि‍ गामक लोक सरकारक माने कोटाक चीनी आ मटि‍यातेल धरि‍ बुझैत छलै। गोटे-गोटे साल खैरातक गहूमो आबि‍ जाइत छलै। मुदा तहि‍सँ बदलल रूप गोष्‍ठीमे रहए। ि‍कएक तँ ि‍कसानकेँ चाि‍र श्रेणी- लघु, सीमान्‍त, मध्‍यम और पैघ ि‍कसानक रूपमे ि‍वभाजि‍त कऽ सबहक लेल सरकारी सुवि‍धाक चर्चा भेलै। सीमान्‍त ि‍कसानकेँ एक-ति‍हाइ माने ३३ प्रति‍शत सरकारी सहायताक घोषणा भेलै। एक-ति‍हाइ मदति‍सँ लोकमे भरपुर उत्‍साह जगलै। खेतीक सभ वि‍धा पशुपालन, माछपालन तरकारीक खेती, फल-फलहरीक खेतीक संग-संग उन्‍नति‍शील धान, गहूम इत्‍यादि‍ अन्‍नक खेतीमे सेहो मदति‍क चर्चा भेलइ। ३३ प्रति‍शत माने एक ति‍हाइ सुवि‍धा पाबि‍ पैघ ि‍कसान आ मध्‍यम कि‍सानक लेल छोट-छोट कारोवार आ गाइयो-महीि‍स पोसैक बाट खुजलै। गोष्‍ठीक ि‍कछुए दि‍नक बाद पंजाब-हरि‍याणासँ ट्रकक माध्‍यमसँ बारह टा जर्सी गाए गाममे आएल। ओहि‍मे सँ एकटा कारी रंगक गाए राजेसर सेहो दस हजारमे कीनि‍लक।
    चारि‍ मास धरि‍ गाए नीक-जेकॉं आठ ि‍कलो दूध दैत रहल। बादमे चारि‍ मासक पछाति‍ एक संझू भऽ गेलइ। जाधरि‍ आठ ि‍कलो दूध गाएकेँ होइत रहल ताधरि‍ दुनू परानी राजेसर सेहो ही खोलि‍ मेहनतो करै। ओना दूधारू घासक खेती नहि‍ केने रहए। ने सुधादाना आ ने कोनो तरहक पौष्‍टि‍क आहारक दोकान इलाकामे रहए। मुदा तइओ राजेसर पुरने ढंगसँ मसुरी आ मकैक दर्रा थोड़-थाड़ गाएकेँ खुअबैत रहए। छह मास बीतैत-बीतैत गाए ि‍बसकि‍ गेलै। बच्‍छा तरे गाए रहै तेँ गाइयक संख्‍या तँ नहि‍ बढ़लै मुदा, जतवे दि‍न दूध भेलै ओहि‍सँ गाइयक प्रति‍ आकर्षण जरूर बढ़ि‍ गेल रहए। ि‍कएक तँ अखन धरि‍ गाममे एक्कोटा ओहन गाए नहि‍ भेल रहए जेकरा सेर भरि‍सँ बेसी दूध होइ। ओना गामक गाइयक वंश दि‍नानुदि‍न वि‍गड़ैत गेल। तेकर अनेको कारणमे एकटा कारण इहो रहए जे श्राद्धकर्ममे तेहेन दब बच्‍छाकेँ दागि‍ सॉंढ़ बनौल जाइत रहए जे गाइयक खाढ़े नष्‍ट होइत गेलै। ि‍बसकलाक बाद गाय उठवे ने कएल। आठ मास बीतैत-बीतैत राजेसर नि‍राश भऽ गेल। लोककेँ पुछै तँ ि‍कयो-करूतेल पि‍अबैले कहै तँ ि‍कयो मेनक पात खुअबैले कहै। मुदा गाए उठलै नहि‍। हारि‍-थाकि‍ कऽ मधेपुर मवेशी डॉंक्‍टरसँ सम्‍पर्क कऽ पुछलक। गर्भाशय साफ करबैक ि‍वचार डॉक्‍टर सहाएव देलखि‍न।
    दि‍वाली दि‍न राजेसर गाए नेने मधेपुर मवेशी अस्‍पताल पहुँचल। एकटा बीमार महीसि‍ देखैले डॉक्‍टर सहाएव भगवान गेल रहथि‍। गाएकेँ ढाठमे बान्‍हि‍ राजेसर अस्‍पतालक ओसार पर तौनी ि‍वछा सुति‍ रहल।
    सूर्यास्‍त भेलापर डॉक्‍टर भगवानपुर सँ ऐला। डेरा अबि‍ते पत्‍नी कहलकनि‍- एक गोटे दुपहरेसँ भुखे-पि‍यासे गाइयक संग बैसल छथि‍ पहि‍ने ओ देखि‍ लि‍औ।
  दुपहरक नाओ सुनि‍ते डॉक्‍टर चौंकि‍ गेलाह। साइकि‍ल रखि‍ पत्‍नीकेँ कहलखि‍न- तेहेन बीमारीक भॉंजमे पड़ि‍ गेलहुँ जे छोड़ि‍यो नहि‍ सकैत छलौं। मुदा जखन महींस पाउज धऽ खढ़ उठौलक तखन अपनो संतोष भेल आ महि‍सोबला कहलनि‍ जे आब महीसि‍ बँचि‍ गेल। तेँ एते अबेर भऽ गेल। मन गरमा गेल अछि‍ पहि‍ने एक लोटा पानि‍ पीआउ आ चाह बनाउ। ताबे कपड़ा खोलि‍ लइ छी।
    चाह पीबि‍ डॉक्‍टर राजेसर लग पहुँच गाएकेँ देखि‍ कहलखि‍न- जेँ एते काल बैसलौं तेँ आध घंटा आरो समए लागत।
  आशा भरल स्‍वरमे राजेसर कहलकनि‍- तइले नइ कोनो, मुदा गाममे तमाशा सेहो छी आ अन्‍हरि‍या राति‍ छी तेँ थोड़े.....।
    ढाठीमे गाएकेँ बन्‍हवा डॉक्‍टर साफ केलनि‍। सावुनसँ हाथ धाेय एकटा इन्‍जेक्‍शन देलखि‍न। चारि‍ खोराक गोटी दऽ कहलखि‍न- काज तँ भऽ गेल मुदा, आब गाम नइ जाउ। एतै रहि‍ जाउ, भोरे दि‍न-देखार चलि‍ जाएब।
  फीस दैत राजेसर कहलकनि‍- डॉक्‍टर सहाएव, अबेरो भेने तँ काज भइये गेल। गाममे मेलो-तमाशा छी तेँ चलि‍ये जाएब।
  एक तँ करि‍या कम्‍मल जेकॉं अन्‍हार, दाेसर कारी खुट-खुट गाए, मने-मन राजेसर सोचलक जे हो न हो कहीं हाथसँ डोरी छुटि‍ जाएत तँ गाए हराइये जाएत। छोड़मे ससरफानी दऽ अपन गट्टामे बान्‍हि‍ आगू-आगू गाए आ पाछु-पाछु अपने ि‍वदा भेल। थोड़े दूर आगू बढ़ल ि‍क बुन्‍दा-वुन्‍दी पानि‍यो आ हवो रसे-रसे जोड़ पकड़ए लगल। हवाक संग-संग घनघनौआ बरखो हुअए लगल। घरपर अबैत-अबैत जहि‍ना अपने तहि‍ना गाइयो जाड़े कठुआ गेल। राति‍ ढहल। गाए टॉंग पटकए लगलै। लगले-लागल उठवो करै आ बैसवो करए। बो-बॉं सेहो करए। समए तेहन भऽ गेलै जे पुन: डॉक्‍टर ऐठाम जाइक साहसे ने भेलै। ने गाममे मवेशी डॉक्‍टर आ ने लग-पासक कोनो गाममे। हारि‍ कऽ करूतेल-मटि‍या तेल मि‍ला, सौँसे देह औंसि‍ बोराक नूरी बना दुनू परानी गाएकेँ ससारए लगल। थोड़े काल ससारि‍ मरीच पीसि‍ करूतेलमे ि‍मला कॉंड़ि‍सँ पि‍औलक। मुदा गाइयक रोग हटलै नहि‍। धीरे-धीरे बढ़ि‍ते गेलै। भोरहरवामे खूव जोरसँ डि‍रि‍या गाए मरि‍ गेलै।
    गाएकेँ मरि‍ते दुनू परानी राजेसर कानए लगल। भोरहरवाक कानव सुनि‍ दुनू परानी डोमन दौड़ि‍ कऽ आएल। अबि‍ते राजेसरकेँ डोमन पुछलक- भैया, की भेलह?”
  डोमनक प्रश्‍नक उत्तर नहि‍ दऽ राजेसर कनि‍ते रहल। लगमे अबि‍ते डोमन देखलक जे चारू पएर छि‍ड़ि‍ऐने गाए मरल अछि‍। मुँहपर तरहत्‍थी दऽ डोमन बाजल- भैया, चुप हुअअ। कमाइबला बेटा मरलापर लोक सवुर करि‍ते अछि‍, ई तँ सहजे नाङरि‍ छी।
  डोमनक बात सुि‍न राजेसर बाजल- गाए मरि‍ गेल तेकर दुख ओते ने अछि‍ जते बैंकक करजाक अछि‍। एक तँ सरकार लोककेँ मदति‍ करैए ि‍क गरदनि‍मे फॉंस लगबैए। जखन गाए नै नेने रही तखन कहलक जे तेकरी सरकार देत आ बाकी दू हि‍स्‍सा बैंकसँ करजा भेटत। काज सुगम देखि‍ लेलौं। बुझबे ने केलि‍यै जे गरदनि‍मे फँसरी लगबैए। छुट लेल बैंकबला कहलक जे मधमन्‍नीसँ कागज आनि‍ कऽ दि‍अ तखन ओइ रूपैयाक मि‍नहा लोनमे भऽ जाएत। जावे तक ओ कागज नै देब ताबे तक सोलहो आना रूपैयाक सुदि‍ चलैत रहत। अपने देखल-सुनल नहि‍। कोटक मंसीकेँ जा कऽ जा सभ बात कहलि‍यै तँ ओ तैयार भऽ कऽ ओइ ओफि‍स गेल। ओइ ठीमन गेलौं तँ कहलक जे पान सए रूपैया लागत तखन कागज देव। एहि‍ना दौड़-बरहा करैमे हजारसँ उपरे खर्च भऽ गेल। रूपैयाक ि‍कस्‍त नै देने छेलि‍यै बैंकमे जखन ि‍हसाब करबै लगलौं तँ कहलक जे छह मासक सुदि‍ मूड़मे जमा भऽ गेल आ ओकरो सुदि‍ लागत। तइ बीच गाइये मरि‍ गेल। आब की करब?”
    दि‍वालीकेँ शुभ दि‍न बुझि‍ सुरति‍या भोरेसँ दुनू परानी खपड़ाक भट्ठा लगबए लगल। बीस हजार खपड़ाक भट्ठाक मन मे खुशी रहए। बीचमे थोपुआ आ चारू कात नड़ि‍या खपड़ाक भट्ठा लगौलक। थापुआ मोटो होइ छै तेँ कातमे लगौलासँ नीक जेकॉं नहि‍ पाकत। आमदनीक खुशी मनकेँ तेना खुड़-खुड़ा देने रहए जे दुनू परानीकेँ काजक भीड़ बुझि‍ये ने पड़ए। दुनि‍यॉंक सभ ि‍कछु बि‍सरि‍ मन आमदनी देखि‍ तरे-तर हँसए। जहि‍ना कोनो कनैत बच्‍चाकेँ गुदगुदी लगौलासँ हँसीक लाबा फुटैत तहि‍ना दुनू परानी सुरति‍योकेँ होय। भट्ठा लगि‍ गेल।
  एक तँ सुखार माने रौदि‍याह समए दोसर काति‍क मास। काति‍क मासमे चैत-बैशाख जेकॉं ने हवा-वि‍हाड़ि‍क शंका आ ने झॉंट-पानि‍क। तेँ ने भट्ठाक उपर छॉंही देलक आ ने कातमे टाट लगौलक। पहि‍ल सॉंझ उक-बाती फेरि‍ सुरति‍या भट्ठा लग बैसि‍ नि‍ङहारि‍-नि‍ङहारि‍ देखए लगल जे कतौ ि‍कछु छुटि‍ तँ ने गेल। फुलेसरी भानस करए गेलि‍। चुल्‍हि‍ पजाड़ि‍ अदहन दइते मनमे उठलै जे अधि‍क लटारम करैमे बेसी देरी लागत तइसँ नीक खि‍चड़ी आ अल्‍लू चोखा बना लेब। बैसारी लोक ने छनुआ-बगहरूआ बना जी माने जीभकेँ चसकी पुड़बैए। पावनि‍ये दि‍न छी तँ की छी। कोनो ि‍क पावनि‍येकेँ सीमा-नाङड़ि‍ छै, जेकरा रहए छै ओ सभ दि‍न खाइए। खाइये पाछु जे समए बीता लेब तँ खाइक ओरि‍यान कोना हएत। फेरि‍ मनमे भेलै जे अपने फुरने नै करब हुनको पुछि‍ लइ छि‍अनि‍। चुल्‍हि‍ तरसँ उठि‍ फुलेसरी पति‍ लग जाए पुछलक- ओना आइ तँ लछमी दि‍न छी सभ तरूआ-बगहरूआ बनाओत, से की वि‍चार।
  सुरति‍या मने-मन बीस हजार खपड़ाक दाम जोड़ैत रहए। बारह हजार थोपुआ अछि‍ जेकर दाम बारह हजार भेल। सौ-पचास फुटि‍यो जाएत तइओ नै बारह हजार तँ पौने बारहे हजार रहह। आठ हजार नड़ि‍या अछि‍ जे आठ सए रूपैये बीकत। ओहूमे पच्‍चीस-पचास अधपक्‍कू आ फुटि‍-भांगि‍ जाए तइओ नै चौसैंठ साए तँ छह हजार हेबे करत। कहुना-कहुना तँ सत्तरह-अठ्ठारह हजार हेबे करत। पत्‍नि‍क बात सुि‍न उत्तर देलक- बूढ़ि‍ भऽ गेलौं आ नाक लगले अछि‍। एतवो नै बुझै छि‍यै जे भट्ठा लगौने छी आगि‍ देवइ तँ भरि‍ राति‍ ओगरि‍ कऽ रहए पड़त। जगरनामे अधपेटे खेनाइ नीक होइ छै ि‍क चढ़ा कऽ। जाउ खि‍चड़ी आ अल्‍लू चोखा बना लेब।
    अपन ि‍वचारसँ पति‍क वि‍चार ि‍मलि‍ते फुलेसरीक मन खुशीसँ नाचि‍ उठल। मुस्‍की दैत दोहरौलक- पावनि‍क दि‍न छी, तखन.....।
  जाउ-जाउ। जेकरा रहए छै अोकरा ि‍लये सभ दि‍न होलि‍ये आ दि‍वालि‍ये रहै छै आ जकरा नै रहए छै ओकरा लि‍ये सभ दि‍न एकादसि‍ये रहै छै।
    खा-पी कऽ फुलेसरी बच्‍चा सभकेँ सुता देलक। राति‍क साढ़े नअ बजैत सुरति‍या भट्ठामे मसुरीक दालि‍ छि‍टैत- जेहन मसुरीक दालि‍ लाल, तेहन भट्ठा लाले-लाल कहि‍ आि‍ग देलक। सुखाड़ समए धुधुआ कऽ आगि‍ पजड़ि‍ गेल। आगि‍क पजड़व देखि‍ सुरति‍या पत्‍नीकेँ कहलक- अइ बेरक खपड़ासँ पूँजी बढ़ा लेब। दू आदमीकेँ आरो राखि‍ लेब। कहुना-कहुना जँ दसो भट्ठा हाथ लागल तँ लाखक कमाइ भइये जाएत। पूँजी ने पूँजी बढ़बैत अछि‍। गाममे देखते छि‍यै जे जेकरा दस बीघा जमीन छै अो अपनो साल भरि‍ खाएत से नै होइ छै। हम तँ सहजहि‍ नंगा-फरोस छी। तहन तँ लुड़ि‍ये-वुद्धि‍ तेहन अछि‍ जे जनो कमवाएब।
  फुलेसरीक बुद्धि‍मे पति‍क बात नहि‍ अँटल। छोट बुद्धि‍मे पैघ बात कोना अँटैत। मुदा पति‍-पत्‍नि‍क बीच ि‍क शास्‍त्रार्थ होइत अि‍छ। सुयोग कवि‍क कवि‍ता जेकॉं तुक ि‍मलौवलि‍ होइत अछि‍। ि‍वषय-वस्‍तु ि‍कछु रहौ वा नहि‍ रहौ मुदा, तुकवन्‍दी जँ नीक रहल तँ ओ श्रेष्‍ठ कवि‍ताक श्रेणीमे अवि‍ये जाइत अछि‍। पति‍क प्रश्‍नक उत्तर दैत फुलेसरी बाजलि‍- अइ बेरि‍ अपनो घरपर खपड़ा दइये देबइ।
  अपन घर सुि‍न सुरति‍याक मनमे उठल जहि‍ना घर बनौनि‍हारकेँ अपना रहैले घर नै रहै छै तहि‍ना तँ हमरो अछि‍। जाबे वि‍राटनगरमे नोकरी करै छलौं ताबे पेटो चलैमे कोताहि‍ये होइ छलए। मुदा आब जँ वेसी कमाइ हुअए लगल तँ घरो बनाइये लेब।
    बुन्‍दा-वुन्‍दी पानि‍यो आ संग-संग हवो उठल। मेघ दि‍स देखि‍ सुरति‍या बुदबुदाएल- मेघो कहॉं देखै छि‍यै। एकटा छोटका टुकड़ी बुझि‍ पड़ैए। नै आओत बरखा। मुदा हवा ने एकभग्‍गू कऽ दि‍अए। जँ हवा जोर भेल तँ एक भाग कॉंचे रहत आ दोसर भाग झाम बना देत। हवा तेज होइत गेल आ मेघो पसरैत गेल। पूबसँ बादल आि‍ब-आबि‍ सघन हुअए लगल। जहि‍ना-जहि‍ना बरखा बढ़ए लगल तहि‍ना-तहि‍ना हवो बढ़ए लगल। तड़तड़ा कऽ जोरगर बरखो आ ि‍वहाड़ि‍यो आबि‍ गेल। झॉंट-पानि‍ देखि‍ सुरति‍याक आशा राइ-छि‍त्ती भऽ गेल। मास दि‍नक मेहनतक संग-संग पूँजीयो-माटि‍ उघैक गाड़ी भाड़ा, जनक वोइन, जरनाक दाम- नष्‍ट भऽ गेल। टूटल मने पत्‍नीकेँ कहलक- सभ ि‍कछु दुइर भऽ गेल।
  पति‍क बात सुि‍न फुलेसरी गौवॉंकेँ दोख लगबैत बाजलि‍- ई सभ कि‍रदानी गौवॉं सबहक छि‍यै। जखन गाममे काली-पूजाक अड़धेना       -आराधना- केलक तँ पहि‍ने भगता बजा पूजा कऽ काली-महरानीसँ वाक लऽ लैत से करबे ने केलक आ अपने फुड़ने पूजा शुरू कऽ देलक। ओकरा सभकेँ की बि‍गड़लै। देत ि‍कयो हरजाना।
  फुलेसरीक जोर-जोरसँ बाजब सुि‍न सुरति‍या डपटैत बाजल- यएह सभटा बुझै छै। राजा-दैवक कोनो ठेकान छै। ककरो हाथमे छै जे ककरो दोख लगबै छि‍यै। कोनो ि‍क अपने टा नोकसान भेल। कते लोकक घर खसल हेतै, चीज-बौस दुइर भेल हेतै ि‍क अपने टा भेल?”
  पति‍क बात सुि‍न फुलेसरीक तामस गौवॉंपर सँ हटि‍ पड़ोसि‍नीपर पहुँचल। पड़ोि‍सनीकेँ गरि‍अबए लागलि‍- तेहेन मरमी मौगी सभ अछि‍ जे अनकर नीक सोहाइ छै। बेटा दऽ दऽ डानि‍ सीखने अछि‍ आ अनकर गरदनि‍ कटैए। जहि‍ना हमर भट्ठा नोकसान भेलि‍ तहि‍ना ओकरो सातो पुरखाकेँ उड़ाहि‍ देवै।
  सुरति‍याक घरक बगलेमे एकटा मसोमातक घर। जेकरा सभ स्‍त्रीगण डाइन बुझैत छै। ओकरे ठेकाना-ठेकना फुलेसरी गरि‍अबैत। गारि‍ तँ ओहो मसोमात सुनैत मुदा, नाओ नहि‍ सुि‍न कान ठाढ़ केने रहए जे जखने नाओ लेत तखने देखा देबइ। केहेन घनि‍कपन्‍ना होइ छै से सभ नि‍कालि‍ देवइ। पत्‍नी क्रोध देखि‍ सुरति‍या सोचलक जे एक तँ जे नोकसान भेल से भेवे कएल तइपर सँ अनेरे झगड़ा सेहो ठाढ़ हएत। हमरासँ ि‍क कमजोर ओ मसोमात अछि‍। दि‍यादि‍यो बेसी छै आ अपनो दुनू बेटा बुफगर छै। हो न हो कहीं आबि‍ कऽ माि‍र ठानि‍ दि‍अए। तखन तँ पूँजीयो गेल आ उपरसँ मारि‍यो खाएव। पत्‍नीकेँ पोल्‍हवैत कहलक- की हेतइ, ि‍कयो कपार लऽ लेत। भगवान जे भोग-पारसमे देने हेता ओ हेबे करत। जे नै देने हेता से अपनो केने थोड़े हएत। तइले एते आगि‍-अङोरा होइक कोन काज छै। नोकसाने की भेल खपड़ा गलि‍ कऽ माटि‍ हएत ओकरा फेरि‍ खपड़ा पाथि‍ सुखा कऽ भट्ठा लगा लेब। जरनो भीजवे ने कएल ओकरो सुखा लेब। गि‍रहत सभकेँ देखै छि‍यै हर-जन लगा खेती करैए आ बाढ़ि‍मे दहा जाइ छै तेँ ि‍क ओ मरि‍ जाइए ि‍क खेती छोड़ि‍ दइए। तहि‍ना हमरो भेल। भगवान समांग देने रहथु। सभ कि‍छु फेरि‍ भऽ जाएत।
  पति‍क बात सुि‍न फुलेसरीक मन थीर भेल। मुदा तइओ मनमे खौंझ उठि‍ते रहए। बाजलि‍- भगवानो दुष्‍टे छथि‍। जानि‍-जानि‍ कऽ गरीबे लोककेँ सतबै छथि‍न। जहि‍ना ओ करै छथि‍न तहि‍ना ने हमहूँ सभ करै छि‍अनि‍। ने एकोटा उपास करै छी आ ने एको दि‍न पूजा करै छि‍अनि‍।
  पत्‍नीक बात सुि‍न मुस्‍की दैत सुरति‍या बाजल- अच्‍छा आब भऽ गेल। जहि‍ना ओ -भगवान- केलनि‍ तहि‍ना अहूँ करि‍ते छि‍अनि‍। सधम-बधम भऽ गेल।
  मछुआ सोसाइटी बनने ि‍कछु गोटे उठि‍-वैसल आ ि‍कछु गोटे गोपाल खत्तामे चलि‍ चलि‍ गेल। ओना सोलहो आना पोखरि‍ सोसाइटीमे अखनो धरि‍ नहि‍ गेल अछि‍। मुदा जे गेल ओकर मुआवजा तँ पोखरि‍बलाकेँ नहि‍ भेटल। सोसाइटी बनने नव पानि‍दार मालि‍कक जन्‍म जरूर भऽ गेल। ि‍कऐक तँ एक गोटेक हाथमे अंचल भरि‍क पोखरि‍ आबि‍ गेल। जहि‍सँ पर्याप्‍त उत्‍पादि‍त पूँजी हाथ लगि‍ गेलै। संग-संग सरकारी खजानाक लूट सेहो शुरू भेल। मनमाना ढंगसँ सोसाइटीक सचि‍व आ सरकारी तंत्र मि‍लि‍ कऽ गामक अमूल्‍य पूँजी लुटब शुरू केलक।
    ओहि‍ सोसाइटीसँ एकटा पोखरि‍ आ एकटा खानगी पोखरि‍ डेढ़ हजार सलि‍याना ि‍कस्‍तपर फुदना माछ पोसैक लेल लेलक। सोसाइटीबला पोखरि‍क महार, बि‍नु देखरेख भेने, ढहि‍-ढुहि‍ कऽ सहीट भऽ गेल छलैक। मुदा रामधनबला पोखरि‍क मोहार नीक मुँह कान बना जीवि‍त छै। शुरूहे अखाढ़मे फुदना एकटा बेपारीसँ गंगाक जीरा  कीनि‍ सैरातबला पोखरि‍मे देलक। आ दोसर पोखरि‍मे तमुरि‍याक हेचरीसँ कीनि‍ कऽ आनि‍ देने रहए। गंगाक जीामे रोहू, नैन, भाकुर रहए आ तमुरि‍याक जीरा सि‍ल्‍वर काफ रहए। सि‍ल्‍बर काफ साले भरि‍मे दू-दू तीनि‍-तीनि‍ कि‍लोक भऽ जाइत छैक जबकि‍ रोहू, नैन तँ कम बढ़ैत छै मुदा, भाकुरक बाढ़ि‍ अधि‍क होइ छै। तीनू जीरा ि‍मला कऽ दैत छैक। पानि‍क सतहक ि‍हसाबसँ तीनू माछ रहैत छै तेँ तीनू ि‍मला कऽ देल जाइ छैक।
    शुरू अखाढ़ेमे जे आद्रामे बरखा भेल रहए ओहि‍मे दुनू पोखरि‍ भरि‍ गेल रहए। पोखरि‍क पानि‍ आ जीराक सुतरब देखि‍ दुनू परानी फुदनाक मन चपचप करैत रहए जे भगवान दुख हेरलनि‍। कहुना-कहुना तँ बीस हजारसँ उपरेक आमदनी हएत। जहि‍ना खूब फड़ल आमक गाछी, खूब उपजल खेत आ खूब दुधगर गाए ि‍वयेलासँ खुशी ि‍कसानकेँ होइत तहि‍ना फुदनो दुनू परानीकेँ मनमे होय। जहि‍सँ दुनू परानी बेरा-बेरी तीनि‍-तीन बेरि‍ पोखरि‍क घाटपर घंटा-घंटा भरि‍ बैसि‍ माछक बच्‍चाकेँ ऐम्‍हरसँ ओम्‍हर हेलैत देखए। घरपर अबैक मने ने होय।
    माछक कारोवारसँ फुदनाक परि‍वार पहि‍लेसँ जुड़ल। मखान  खड़ड़ब, माछ मारि‍ बेचब परि‍वारक जीवि‍का रहए। तीन सलि‍या रौदी भेने फुदना कंठी लऽ लेलक। माछक रोजगार कोन जे माछ खेवो छोड़ि‍ देलक। जे माछक गंध पहि‍ने नीक लगै, आब जी ओकि‍याए लगै छै। गामक कीर्तन मंडलीमे शामि‍ल भऽ अष्‍टयाम, नवाहमे कीर्तन करए सेहो जाए लगल आ भनडारा सेहो पुरए लगल। लाट लगने एक हाथ हारमोनि‍यम, ढोलक बजौनाइ सेहो सीखि‍ लेलक। पाछु-पाछु कीरतन गबैत-गबैत गौनाइयो सीि‍ख लेलक। दाढ़ीयो-केश बढ़ा लेलक आ पतलखरीक चानन सेहो करए लगल। समेओ  संग देलकै। नव रोजगार ठाढ़ भेल। कीरतन मंडलीक सट्टा सेहो हुअए लगलै। काजो हल्‍लुक आ प्रति‍ष्‍ठाक संग-संग खेनाइयो नीक भेटै आ पाइयोक आमदनी नीक भऽ गेलै। मुदा घरवाली सीति‍या साकठे रहलि‍। जहि‍ना माछक ि‍वन्‍यास बनबैमे सि‍ति‍या लूरि‍गर तहि‍ना खाइयोमे जीबि‍लाि‍ह। गामक छौँड़ा सभ आ जनि‍जाति‍यो सभ ओकरा बगुला भगत कहै। घरमे एक्‍केटा थारी-लोटा रहए। जहीमे फुदनो खाए आ सि‍ति‍यो। एते बात जरूर रहए जे कहि‍यो फुदना घरवालीकेँ माछ खेवासँ मनाही नहि‍ केलक। फुदना देखवो करै जे नैहरसँ सनेसमे माछे अबै छै। नहि‍यो-नहि‍यो तँ तीनि‍-चाि‍र खेप मासमे अबि‍ए जाइ छै। सि‍ति‍याक पि‍ता माछक कारवारी रहए। पोखरि‍योबला सभसँ आ मधेपुरोक बेपारीसँ माछ कीनि‍ कीनि‍ आनए आ नफ्फा लगा कऽ गामे-गामे घुमि‍ कऽ बेचि‍ लि‍अए। जहि‍सँ नीक कमाइ होय। खेत-पथार तँ नहि‍ कीनि‍लक मुदा, नीक जेकॉं गुजरो करए आ घरो बनौने रहए।
    एक दि‍न फुदनाक सार टुनटुनमा दू ि‍कलोक अंडाएल रोहू नेने एलै। नमहर-नमहर कुट्टि‍या काटि सि‍ति‍या माछ तरए लगल। माछक सुगंधसँ फुदनाक मन मचकी जेकॉं डोलए लगल। जहि‍ना शरीरमे पुरना रोग समए पाबि‍ पुन: जगि‍ जाइत तहि‍ना फुदनोकेँ भेल। गरदनि‍सँ कंठी नि‍कालि‍ लाचारीक मुस्‍की दैत पत्‍नीकेँ कहलक- दूटा कुट्टि‍या आ चूड़ा भूजि‍ कऽ नेने आउ?”
  पति‍क बात सुि‍न व्‍यंग करैत सि‍ति‍या बाजलि‍- तीन सालमे कते घाटा भेल से बुझै छि‍यै। रोहू माछ खेनि‍हारकेँ कहि‍यो ऑंखि‍क ज्‍योति‍ कमै छै। बुढ़ाढ़ियो तक ओहि‍ना चक-चक देखैत रहैए। अखन चुल्‍हि‍ तरसँ कन्‍ना उठब। घरमे चूड़ा नै अछि‍। दाेकानसँ अधा ि‍कलो नेने आउ। ताबे हम अंडाकेँ तरै छी।‍
    जहिना चोरकेँ गरपर रूपैया देखने देहमे तेजी आबि‍ जाइ छै तहि‍ना फुदनोकेँ आबि‍ गेल। जेबीसँ दसटकही नि‍कालि‍ दोकान गेल। सात रूपैयामे अधा कि‍लो चूड़ा कीनि‍ कऽ आबि‍ चुल्‍हि‍ये लग बैसि‍ पत्‍नीकेँ कहलक- ताबे एकटा लाउ।
    सि‍ति‍याक इच्‍छा रहबे करै। अनेरे दुनू परानी दू दि‍शाह भेल छी। जहि‍सँ अनेरे सदति‍काल रक्‍का-टोकी होइत रहैए। तरल अंडा आ चूड़ाक भूजा सि‍ति‍या पति‍केँ देलक। जहि‍ना कोनो वस्‍तु अधि‍क दि‍नक बाद भेटलासँ आनन्‍द अबैत तहि‍ना फुदनाकेँ खेवामे आनन्‍द आबए लगल।
    फुदना सासुर गेल। ससुरक घरमे धड़ैनपर एकटा छोटका घुमौआ जाल सैंति‍ कऽ राखल देखलक। जाल देखि‍ मनमे एलै जे अनेरे ई जाल रखले-रखले दुरि‍ भऽ जाएत तइसँ नीक जे नेने जाइ। छोटका सारकेँ जाल उताड़ि‍ देखबैले कहलक। जाल देखि‍ फुदना मांगि‍ गाम नेने आएल। गाममे ककरो बुझले नै रहए आ ने ककरो लग बजवे कएल। अोजार देखि‍ फुदना तरे-तर खुशी रहए। तेसरे-चारि‍मे दि‍नसँ ओ पोखरि‍ सभमे साझू पहरकेँ चोरा-चोरा माछ मारए लगल। अपनो खाए आ उगरै तँ बेचि‍यो लि‍अए। पोखरि‍बला सभ धपबए लगल। होइत-होइत एक दि‍न पकड़ा गेल। तत्‍काल तँ पोखरि‍बला ि‍कछु नहि‍ कहलकै मुदा, जाल छीनि‍ लेलकै। दोसर दि‍न भाेरे पोखरि‍बला पनचैती बैसौलक। पूर्बासायक जरूरते ने रहै ि‍कऐक तँ जाले गवाह रहए। पंच सभ पच्‍चीस बेरि‍ कान पकड़ि‍ कऽ उठै-बैठैले आ एक सए रूपैया दंड केलक। मुदा जाल घुमा देलकै। आंगन अबि‍ते पत्‍नी मुँहे काने खुब दुतकारलक। पत्‍नीक बातसँ फुदनाकेँ जानसँ उपर ग्‍लानि‍ भेल। कान पकड़ि‍ बाजल- आइ दि‍नसँ कहि‍यो ऐहन काज नै करब।
  पति‍क बात सुि‍न सि‍ति‍या अपन हँसुि‍ल दैत कहलक- लि‍अ, एकरा बन्‍हकी लगा एक-दूटा पोखि‍र माछ पोसैले बनोवस कऽ लि‍अ। अपन कारोवार रहत जते मन हएत खेबो करब आ गुजरो करब।
    दि‍वाली दि‍नक घनघोर बर्खासँ सैरातबला पोखरि‍क माछ दहा गेल। बाधक पानि‍क सलाढ़ पोखरि‍मे लगि‍ गेलै। बरखा छुटला बाद दुनू परानी फुदना टार्चक हाथे माछ देखए गेल। पोखरि‍क सलाढ़ देखि‍ फुदनाकेँ बघजर लगि‍ गेलै। बकार बन्‍न भऽ गेलै। दुनू हाथ माथपर लऽ महारपर बैसि‍ रहल। टार्च नेने सि‍ति‍या घाटपर जाए बारलक तँ एक्‍कोटा माछ नजरि‍पर पड़बे ने केलै। माछ नहि‍ देखि‍ सकदम भऽ गेलि‍। मने मन सोचए लगल जे सभ केलहा डूबि‍ गेल। मुदा गलती अपनो भेल जे महारकेँ बन्‍हलौं नहि‍। जँ मोटगर आड़ि‍यो जेकॉं मुँहकेँ बान्‍हि‍ देने रहि‍ति‍यै तँ ऐहन दि‍न नहि‍ देखि‍तौं। मुदा सके कोन। जे चलि‍ गेल ओ फेरि‍ घुरि‍ कऽ थोड़े औत। घुरि‍ कऽ पति‍ लग आबि‍ चुपचाप ठाढ़ भऽ गेलि‍। फुदना सोचै जे लोक कमा कऽ स्‍त्रीकेँ गहना-जेबर कीनि‍-कीनि‍ दैत अछि‍ आ हम ऐहन करमघटू छी जे जेहो गहना छलै सेहो पानि‍मे बोहा देलि‍यै। एक तँ माछ भासल तइपर सँ हँसुलि‍यो चलि‍ गेल। कि‍छु बजवे ने करै। पति‍केँ देखि‍ सि‍ति‍या बाजलि‍- मत्‍थाहाथ देलासँ थोड़े माछ घुि‍र औत। तखन तँ आगू की करब से सोचू। चलू ओहू पोखरि‍केँ देखि‍यै जे ओहो भसि‍ गेल कि‍ बचल अछि‍।
    मने-मन फुदना सोचए जे हमर बाजब उचि‍त नहि‍ हएत। कि‍ऐक तँ जनि‍-जात बेटोसँ पैघ गहनाकेँ बुझैत अछि‍। तेँ वएह कि‍ बजैए सएह सुनी। आगू-आगू टार्च नेने सि‍ति‍या आ पाछु-पाछु चुपचाप फुदना दोसर पोखरि‍ देखए ि‍वदा भेल।
    पोखरि‍क चारू महार घूमि‍ कऽ देखि‍ मुस्‍की दैत सि‍ति‍या बाजलि‍- जीरा सँ जे कि‍छु आमदनी होइत से नै भेल। एक्को पोखरि‍ जँ बॉंचि‍ गेल तँ अहीसँ दुनू पोखरि‍ आबाद भऽ जाएत।
  पत्‍नीक बात सुि‍न फुदना बाजल- पहि‍ने तँ भेल जे जहि‍ना ओ पोखरि‍ दहा गेल तहि‍ना इहो दहा गेल हएत। मुदा भगवान रछ रखलनि‍ जे एकटा बँचल अछि‍। तते ने जीरा सुतरल अछि‍ जे एकटाकेँ के कहए जे एकटा आरो पोखरि‍ भऽ जाएत तेकरो अबादि‍ लेब। जते छेहर बच्‍चा रहै छै ओते बेसी बाढ़ि‍ होइ छै।
  फुदनाक बात सुि‍न सि‍ति‍याक मनमे एकटा नव ि‍वचार जगलै। मने-मन सोचए लगल जे भने दहार भऽ गेलै। कोनो कि‍ हमरेटा पोखरि‍ दहाएल ऐहन-ऐहन कते गोटेक दहाएल हेतै। आब कि‍ कोनो सोसाइटि‍ए बला आकि‍ पोखरि‍एबला थोड़े अगधाएत। तेहन पूँजी (जीरा) अछि‍ जे चीजबला सभ माने पोखरि‍बला सभ खुशामद करए अौत। सस्‍तेमे दोसरो पोखरि‍ हाथ लगि‍ जाएत। भगवान जहन दइपर होइ छथि‍न तँ एहि‍ना ने छप्‍पर फॉंड़ि‍ कऽ दइ छथि‍न। बाजलि‍- गलती अपनो सबहक भेल जे पोखरि‍क मुँह मजगूतसँ नहि‍ बान्‍हि‍ देलि‍यै। जँ से बान्‍हल रहैत तँ ऐहन दि‍न थोड़े देखि‍तौं। काल्‍हि‍ भोरे पॉंचटा टल्लाबला जन कऽ कऽ मजगूतसँ मुँह बान्‍हि‍ देबै। अखन काति‍के छी बहुत समए अछि‍। बैशाख जेठमे मछहरि‍ हएत। भने पोखरि‍ उपो-उप कऽ भरि‍ गेल।
  पत्‍नीक बात सुि‍न फुदना बाजल- जेँ एते पूँजी लगेलौं तेँ थोड़े आरो लगा देबै। दू मन खैर आनि‍ कऽ सेहो दइए देबै। ओना देखै छि‍यै जे कते गोरे खादो दइए। मुदा अपना तँ ओते ओकाइत नैए। अइ साल कहुना-कहुना कऽ लि‍अ। अगि‍ला सालसँ नीक जेकॉं करब। कोनो कि‍ अग्‍गह-बि‍ग्‍गह पोखरि‍ए जोतलासँ थोड़े होइ छै जतबे करब नीक जेकॉं करब।
    कालीपूजा समि‍ति‍क सदस्‍य होइक नाते भोला भोरेसँ स्‍थानक काजमे जुटल रहए। कोना नहि‍ जुटैत? जे परि‍वारसँ उठि‍ माने आगू बढ़ि‍ समाजक काजकेँ अपन काज बुझैत अछि‍ ओ कोना ओकरा छोड़ि‍ सकैत अछि‍। जहि‍ना ब्रह्मक अंश जीव होइत तहि‍ना ने व्‍यक्‍ति‍ समाजक अंग छी। स्‍थानक काजक दुआरे जलखैयो करए भोला घरपर नहि‍ आएल। नहेबो नहि‍ केलक। हाथ-पएर धाेय खेलक आ पुन: वि‍दा होइत पत्‍नीकेँ कहलक- हमर कोनो ठेकान नै अछि‍ तेँ मालो-जाल आ पाबनि‍योक सभ ओरि‍यान कऽ लेब।
    पानि‍-बि‍हाड़ि‍ जखन आएल तखन भोला आ मंगल बृन्‍दावनक रासक आगूमे ठाढ़ भऽ हि‍यासि‍-हि‍यासि‍ देखै जे कतौ कोनो गड़बड़ी तँ नहि‍ भऽ रहल अछि‍। मुदा तेहेन भयंकर रूपमे पानि‍-बि‍हाड़ि‍ आएल जे मनक सभ वि‍चार सभकेँ मनेमे सड़ि‍ गेल। मंचक घटना सम्‍हारि‍ भोला घरपर आबि‍ बीआक वि‍रार जा देखलक तँ नि‍राश भऽ गेल। आमदनीक आशा टुटि‍ गेलै।
    जहि‍ना भोला छोट कि‍सान तहि‍ना छोट कारोबारि‍यो। पनरहे कट्ठा ऑंट-पेटक ि‍कसान भोला। मुदा दुनू परानी ऐहन मेहनती जे सात गोटेक परि‍वार हँसी-खुशीसँ चलबैत रहए। ओना चारि‍टा बच्‍चा लि‍धुरि‍या रहै मुदा, जेठका बारह बर्खक बेटा बलदेब मि‍ड्ल स्‍कूलमे पढ़वो करै आ घर-गि‍रहस्‍तीक काजमे संगो-साथ दैत रहै। स्‍कूलोक दशा तेनाहे सन। पॉंच सए वि‍द्यार्थीक स्‍कूलमे तीिनटा शि‍क्षक। तहूमे एक गोटे नेतागि‍रि‍ये करैत। पढ़बै-लि‍खबैसँ अोते मतलब नहि‍ जते ऑंफि‍सक दौड़ि‍-बरहा रहै। सि‍र्फ लोकेक काजे ऑफि‍स नहि‍ जाए, बलकि‍ स्‍टाफो (सरकारी पदाधि‍कारी) सबहक काज करै। जहि‍सँ आमदनि‍यो नीक आ पैघ लोकक बीच बैसि‍ समयो गुदस होय। स्‍कूलसँ ओतबे मतलब जे मासो दि‍नक हाजरी बना दरमाहा उठबै। समाजमे ककरो कि‍छु कहैक साहसे ने होय। थाना-बहानासँ लऽ कऽ कोट-कचहरी धरि‍क धुड़फन्‍दा लोक, तेँ क्‍यो ऑंखि‍ कोना उठा सकैत अछि‍। तहूमे सरकारी पाट्रीक नेतागि‍री करैत रहए।
    स्‍कूलक ढील-ढालसँ भोला खुशि‍ये रहए। कि‍ऐक तँ बलदेब माल-जालक पूरा भार उठा नेने रहए। कुट्टी काटब, खाइले देव, पानि‍ पि‍याएब, घर-बहार करब, थैर खर्ड़ब, गोबर उठाएव बलदेवक बान्‍हल डयूटि‍ रहए। एहि‍ लेल ने पिताकेँ अढ़बैक जरूरत आ ने कोनाे चि‍न्‍ता रहए। मुदा तेँ ि‍क बलदेव पढ़ै नहि‍। जरूर पढ़ै। भरि‍ दि‍न ने माल-जालक नेकरम करै मुदा, बारह घंटाक राति‍ तँ बचै। दोसरि‍ सॉंझ होइतहि‍ भोला मुस्‍तैज भऽ धि‍या-पूता लग बैि‍स नजरि‍ रखै। पढ़ैमे बलदेव ओते चन्‍सगर नहि‍, रहबो कोना करि‍तै? जखन स्‍कूलेकेँ केन्‍सर धेने तहन हाथ-पाएर कते क्रि‍याशील रहत। मुदा तेँ ि‍क बलदेव सोलहन्‍नी भुसकौले रहए, सेहो नै रहै। इमानदारीक छह घंटाक मेहनतसँ कि‍यो इंजीनि‍यर तँ कि‍यो डॉक्‍टर, कि‍यो वकील, तँ कि‍यो प्रोफेसर बनि‍ जाइत अछि‍ तँ तीनि‍ घंटाक मेहनतसँ बलदेव ि‍कअए ने पास करत। साले-साल क्‍लास टपि‍ते रहए। भोलो खुशी, ि‍कअए तँ बच्‍चेमे बाबाक मुँहे सुनने रहै जे- उत्तम खेती। नोकरी आ गुलामीमे कि अन्‍तर छैक। कमा कऽ जि‍नगी जीवैक लूरि‍ जँ भऽ जाए तँ एहि‍सँ बेसीक जरूरते कि‍। जहि‍ना राजतंत्रमे रजेक बेटा राजा होइत तहि‍ना ने प्रजातंत्रोमे मंत्रि‍ऐक बेटा मंत्री, हाकि‍मेक बेटा ने हाकि‍म बनत। तइले आनक सेहन्‍ता सेहन्‍ता नहि‍ तँ आरो कि‍ भऽ सकैत छै।
    पनरहे कट्ठा खेत रहि‍तो भोला गामक ि‍कसानक गि‍नतीमे अबैत। खेती करैक अपन ढंग रहै। खाली बरसातेक मौसममे धानक खेती करै बाकी समएमे तरकारीक खेती करै। ओना बरसातोक मौसममे पॉंचो कट्ठा चौमासमे  तरकारि‍ये उपजवै। बाकी दसो कट्ठामे कति‍का धान करै। पि‍ताक अमलदारीमे ओहि‍ दसो कट्ठामे रोहनि‍या मरूआ बीआ पाड़ि‍ मरूआ रोपे आ मरूआ काटि‍ अगहनी धान रोपे। मुदा वि‍श्‍वासु खेती नै रहै। गोटे साल पचता पानि‍ भेने मरूआ बीआ बुढ़हा जाय तँ लगतोमे डॉड़ लगि‍ जाय। गोटे साल बेसी बरखा होय तँ दहाइये जाय। कि‍एक तँ मरूआ पनि‍सहू नहि‍ होइत अछि‍। मुदा जहि‍ साल समगम समए होइत तहि‍ साल दसो कट्ठामे दस मन मरूआ भऽ जाय। मरूआकेँ ि‍कसान पवि‍त्र अन्‍न मानैत अछि‍ ि‍कएक तँ अोहि‍मे सूरा-फाड़ा नहि‍ लगैत अछि‍। ओनो आन-आन पावनि‍मे मरूआ अशुद्ध अन्‍न मानल जाइत अछि‍ मुदा, जि‍ति‍या पावनि‍मे शुद्ध भऽ जाइत अछि‍। जहि‍ना कुमारि‍ कन्‍या वि‍वाहमे पवि‍त्र मानल जाइत अछि‍ मुदा, चुमौनमे बालो-बच्‍चा वाली पवि‍त्र बनि‍ जाइत अछि‍। तहि‍ना अन्‍नमे मरूओ अछि‍। पावनि‍क जोड़ो मनुक्‍खे जेकॉं अछि‍। जहि‍ना कुमार वर-कन्‍याक वि‍आहक संग-संग दोती- वर-कन्‍या कन्‍याक वि‍आह सेहो होइते अछि‍, तहि‍ना मरूआक रोटी आ साग चाहे माछक मि‍लानसँ ि‍जति‍या पावनि‍ होइत अछि‍। ओनो आन-आन पावनि‍मे तीनू- मरूआ, साग आ माछ बर्जित अछि‍। धानोक वएह हालत होय। जइ साल रौदी होय तइ साल मरहन्‍ना भऽ जाइ आ जइ साल बेसी बर्खा होय तइ साल दहा जाय। समगम समए भेने दसो कट्ठामे दस मन धानो भऽ जाय। अन्‍नक खेतीकेँ भोलाक पि‍ता जुआ बुझि‍ खेति‍यो बदललक आ बीआक कारोबार बढ़ौलक। ओना रामझि‍मनी, झि‍मनी, भट्टा, मेरि‍चाइ, सजमनि‍, धेरा, कदीमा, सागक वीआ तँ अपने बना ि‍लअए मुदा, कोबीक वीआ बनौल नइ होय। हाटो-बजारमे कोवीक गोट्टा बीआ नइ वि‍काइत रहए। एक बेरि‍ हरि‍हर क्षेत्रक मेला गेल तँ हॉंजीपुरमे कोवीक गोट्टा वीआ ि‍वकाइत देखलक। दोकानदार लग बैसि‍ कोवी बीआक भॉंज बुझए लगल। गि‍रहस्‍त दोकानदार रघुनीकेँ माने भोलाक पि‍ताकेँ कोवी वीआ बनवैक लूि‍र बता देलक। नीक ि‍कस्‍म बुझि‍ रघुनी सभ कथूक बीआ कीनि‍ लेलक। बीआ कीनि‍लाक बाद दोकानदार लक्ष्‍मी सीड कम्‍पनीक नामसँ पॉंचटा पोस्‍ट-कार्ड दैत कहलक जे जइ चीजक बीआ कीनैक हुअए ओकर नाम आ वजन लि‍खि‍ कऽ पठा देव। ऐठामसँ हम पार्सल पठा देव। रघुनीक जि‍नगीमे नव मोड़ आएल। ओहि‍ सालसँ बीआक कारोवार करए लगल। ि‍पताक संग-संग भोलो सीखि‍ लेलक। अपनो तरकारी खेती आ बीओक कारोवार, करए लगल। कृषि‍ मंत्री आ प्रधानमंत्री शास्‍त्री जीक नेतृत्‍वमे खेतीमे हरि‍त क्रान्‍ति‍क कार्यक्रम बनल।
    कार्यक्रम बनैक कारण रहै देशक भुख मेटेवाक लेल अमेरि‍कासँ गहूम कर्ज लेब। आजुक जेकॉं ओहि‍ समए लोको माने जनसंख्‍यो नहि‍ रहए मुदा, तइओ पेट भरैक उपाए नहि‍ रहए। जहि‍ देखक माटि‍क जोड़ा दुनि‍यॉंक कोनो कोनमे नहि‍ छै, श्रमशक्‍ति‍ भरपुर छै, मौसम अनुकूल छै, कते लाजि‍मी बात थि‍क जे ओहि‍ देशक लोक अन्‍न बि‍ना मरै। जे बात शास्‍त्रीयो जी आ जगजीवनो बाबू बुझि‍ जय-जवान, जय कि‍सानक नारा देलनि‍। खाली नारे टा नहि‍ देलनि‍ खेतीक लेल योजना बना क्रि‍यान्‍वि‍त केलनि‍।
    अदौसँ अबैत खेतीमे नव जागरण भेल। हरक जगह ट्रेक्‍टर, करीनक जगह दमकल-बोरि‍ंगक संग-संग नव-नव औजार कि‍सान तक पहुँचल। नव-नव बीआक अनुसंधान भेल। कृषि‍क महत्‍व बढ़ने शि‍क्षाक वि‍कास भेल। उपजाक लेल रासायनि‍क खाद, कीट-नाशक इत्‍यादि‍क उपयोग शुरू भेल। जहि‍सँ खेतीक उत्‍पादनमे  आश्‍चर्यजनक वृद्धि‍ भेल। देशक कि‍सानमे नव चेतनाक सृजन भेल।
    भारत सनक देशमे जते आ जहि‍ गति‍ये वि‍कास हेवाक चाहि‍ऐक से नहि‍ भेल। ओना जहि‍ राज्‍यक सरकारोक नजरि‍ आ ि‍कसानोक नजरि‍ खेती दि‍स बढ़ल ओ जरूर वि‍कास प्रक्रि‍याकेँ पकड़ने रहल। मुदा जहि‍ राज्‍यमे से नहि‍ भेल ओहि‍ राज्‍यक कृषि‍ पुन: ठमकि‍ गेल। ओना मि‍थि‍लांचलक संग आरो-आरो संकट छै। जहि‍सँ वि‍कासक प्रक्रि‍या आगू बढ़ैक कोन बात, ठमकैक कोन बात जे पाछुए मुँहे ससरए लगल। जेकर कारण छलैक बाढ़ि‍क वि‍भीषि‍का। ऐहन-ऐहन पहाड़ि‍ धार सभ अछि‍ जे खाली पानि‍येसँ नाश नहि‍ करैत बलकि‍ खेतक माटि‍ काटि‍-काटि‍ नव-नव धारो बनवैत अछि‍ आ उपजाउ माटि‍केँ सेहो भसा-भसा बालुसँ भरैत अछि‍। जहि‍सँ खेतक उर्वराशक्‍ति‍ये चौपट कऽ दैत अछि‍। नव धार बनने गामो घर उजड़ि‍ जाइत अछि‍। खेत-पथार सेहो नष्‍ट भऽ जाइत अछि‍। तेँ जरूरी अछि‍ धारक एहि‍ उपद्रवकेँ नि‍यंत्रि‍त करब। जाधरि‍ से नहि‍ हएत ताधरि‍ वि‍सबासु खेती मात्र कल्‍पना बनि‍ रहत। पचास-साठि‍ वर्ष पूर्व कोसीक पुलमे फाटक लगा दुनू ि‍दस माने पूवो आ पछि‍मो नहरक योजना बनल। मुदा अखनो धरि‍ जहि‍ रूपे ओकर उपयोग हेवाक चाहि‍ऐक से नहि‍ बनि‍ सकल अछि‍। तेकर अति‍रि‍क्‍तो सरकारीक उदासीनताक चलैत ऐहन व्‍यवस्‍था बनि‍ गेल अछि‍ जे कोसि‍यो इलाका दहाइत अछि‍।
    ओना कोसीक पूवरि‍यो आ पछवरि‍यो मुख्‍य नहर बनि‍ गेल। ओहि‍सँ सखो नहरि‍ सभ सोलहन्नी तँ नहि‍ मुदा, थोड़-थाड़ सेहो बनि‍ गेल। मुख्‍य नहरक भीतर सीमेंट ईंटाक सेहो जोड़ाइ भेल। मुदा बनौनि‍हारक माने ठीकेदारक बदनि‍यतीसँ तेहन काज भेल जे जहॉं-तहॉं ढहि‍-ढहि‍ नहरि‍केँ भरि‍ देने अछि‍। नहरक मुख्‍य बहाव बन्न भेने आ बाढ़ि‍क प्रकोपसँ मुख्‍य नहर जहॉं-तहॉं टूटि‍तो अछि‍। साले-साल मरम्‍मतो होइत अछि‍ आ टूि‍टतो अछि‍। मुदा तइओ थोड़-थाड़ लाभ कि‍सानकेँ होइते अछि‍। जतऽ जतऽ पानि‍क सुवि‍धा उपलब्‍ध अछि‍ ओहि‍-ओहि‍ इलाकाक कि‍सानक जि‍नगीमे क्रान्‍ति‍कारी बदलावक संभावना बनि‍ गेल अछि‍। मुदा सरकारी-तंत्रक चलैत जत्ते लाभ हेवाक चाहि‍यै से नहि‍ भऽ पबैत अछि‍। ओना साखा नहरि‍ पूर्णरूपेण तैयारो नहि‍ भेल अछि। तहूसँ दुर्भाग्‍य ई भेल जे पैछला साल कुसहामे पूबरि‍या बान्‍ह टूटने पूबरि‍या इलाका तँ नाश भइये गेल जे नहरक रूपे-रेखा चौपट भऽ गेल। जहि‍सँ पूर्वते स्‍थि‍ति‍ बनि‍ गेल अछि‍।
    कोसि‍ये नहरि‍ जेकॉं बोरि‍ंग-दमकलक योजनाक दशा सेहो अछि‍। छोट कि‍सानक लेल नब्‍बे प्रति‍शत सवसि‍डीमे बोरि‍ंग आ ति‍हाइ सवसि‍डीमे दमकल देब शुरू भेल। मुदा सीमि‍त दायरामे योजना समटा गेल। जहि‍सँ गामक पॉंचसँ दस प्रति‍शत खेत धरि‍ पानि‍ पहुँचैक सुवि‍धा भेल। मुदा व्‍यापारीक चालि‍सँ घटि‍या बोि‍रंगक पाइप आ घटि‍या दमकल ि‍कसानक हाथ आएल। जे तीनि‍-साल बीतैत-बीतैत सभ बि‍गड़ि‍ गेल। ने एक्कोटा बोरि‍ंग काजक रहल आ ने दमकल। मुदा बैंकक कर्जक बोझ ि‍कसानपर लदले रहल। जे चक्रवृद्धि‍क दरसँ सहि‍त मूलधनक असुलीमे कि‍सानक सि‍र्फ गाइये-महीसि‍ नहि‍ खेतो-पथार बि‍कैत अछि‍। खेतीक उपजाक कोन बात जे लोकक खेतो हाथसँ नकलि‍ रहल अछि‍।
    जहि‍ना कि‍सान पानि‍ले पहि‍ने लल छलै तहि‍ना फेरि‍ भऽ गेल। पानि‍क चलैक खेति‍यो पाछुए मुँहे ससरि‍ गेल। जे कि‍सान अपन पूँजी लगा बोरि‍ंग-दमकल कीि‍न खेती करै छथि‍ अो खादक बेपारी आ बीआ बेपारीक हाथक खेलौना बनि‍ गेल छथि‍। घटि‍या खाद आ घटि‍या बीआक चलैत खेतीक हालत आरो चौपट भऽ गेल। गोटे साल नीक खाद भेटल तँ बीआ लऽ कऽ डूबि‍ गेल नहि‍ जँ बीआ नीक भेटल तँ खाद लऽ कऽ डूबि‍ गेल। खेती चौपट भेने गामक लोक पड़ा कऽ पंजाब, दि‍ल्‍ली, बम्‍बई, कलकत्ता चलि‍ गेल जहि‍सँ गामक-गाम सून भऽ गेल अछि‍। ओना पाछु घुमि‍ कऽ देखलापर नहि‍ बुझि‍ पड़ैत जे मि‍थि‍लांचलमे पहि‍नेसँ कम जनसंख्‍या अखन अछि‍ मुदा, श्रमशक्‍ति‍क अभाव जरूर भऽ गेल अछि‍। तहि‍ना उपजाउ माटि‍क सेहो ह्रास भऽ गेल अछि‍। नीक माटि‍ बालुमे बदलि‍ गेल अछि‍। सोलहन्नी तँ नहि‍ मुदा, आधा नहि‍ तँ ति‍हाइक दशा जरूर बि‍गड़ि‍ गेल अछि‍। जे गाम कहि‍यो अन्नक बखारी छल ओ आइ राजस्‍थान सदृश्‍य मरूभूमि‍ बनि‍ गेल अछि‍। गाछ-वृक्षसँ सजल गाम वस्‍त्र वि‍हि‍न नारी सदृश्‍य बेनग्‍न भऽ गेल अछि‍। ओना जेहो बचल अछि‍ तहूमे पानि‍क अभाव, खाद बीआक गड़बड़ीसँ नरकंकाल जेकॉं गामक सक्‍ल बनि‍ गेल अछि‍।
    सभ कि‍छु होइतो भोला चैनसँ गृहस्‍ती करैत अछि‍ आ गृहस्‍तक गौरवसँ मंडि‍त अछि‍। ि‍कएक तँ जते खेतबला पलाएन केलक ओ अपन खेत-पथार तँ नहि‍ लऽ कऽ गेलाह। खेत तँ गामेमे रहल। भोला सन-सन खेति‍हरकेँ स्‍वर्ण-अवसर भेटल। अखन धरि‍ जे बटाइ प्रथा छल ओहि‍मे सुधार भेल। पहि‍ने बटेदारकेँ उपजाक आधा वँटबारा होइत छलै। जहि‍सँ बटेदार सदति‍ काल घाटामे रहैत छलाह। घाटाक खेती देखि‍ बटेदार बटेदारी छोड़ि‍ बोइने-बुत्ताकेँ नीक बुझए लगल। मुदा बटाइमे सुधार भेने मनखपक चलनि‍ भेल। धानक वँटबारा पनरह ि‍कलो प्रति‍ कट्ठा जमीन बलाक ि‍हस्‍सा आ बाकी बटेदारक। तहि‍ना गहूमोक उपजाक वँटबारा हुअए लगल अछि‍। तरकारीक खेती सेहो तहि‍ना हुअए लगल अछि‍।
    दुइये बेकती भोला, तेँ कते खेती करत। मुदा तइओ एक बीघा बटाइ खेतीक करैत अछि‍। ओना अपनो पनरह कट्ठा खेत छइहे। ओहि‍ एक बीघा खेतमे गरमा धान काटि‍ अगते गहूमक खेतीक कऽ लैत अछि‍। गहूमो अगते भऽ जाइ छै। गहूम काटि‍ खेत पटा पूसा बैशाखी खेरही कऽ लैत अछि‍। यएह ओकर फसल चक्र छै। सालो भरि‍ मारि‍-धुसि‍ खेवो करैत अछि‍ आ खेतबलाकेँ सेहो दैत अछि‍।
    तरकारीक खेतीमे सेहो सुधार केलक। आब ओ हॉंजीपुरक बीआ मंगाएव छोड़ि‍ हाइब्रि‍ड बीआ नामी-नामी कम्‍पनी सभसँ मंगा अपनो खेती करैत अछि‍ आ बीआ -बीहनि-‍ सेहो बेचैत अछि‍। जहि‍सँ सब दि‍ना काज सेहो रहैत छै आ आमदनि‍यो बढ़ि‍या होइ छै।
    गाममे काली पूजाक -मेलाक- अंदाजसँ पनरह घुरमे बीआ पाड़लक। कि‍ऐक तँ इलाकाक लोक भोलाक बीआकेँ जनैत अछि‍। सभ जनैत अछि‍ जे भोलाक बीआ सन कोनो बेपारीक बीआ नहि‍ होइत छैक। बीआ रहि‍तो आन बेपारीसँ सस्‍तेमे वेचवो करैत अछि‍। मुदा अइबेर वेचाराकेँ गरदनि‍ कट्टी भऽ गेल। तेहन वर्खा भेल जे चौमासमे दनार फोड़ि‍ देलकै जइसँ सौँसे बीरार माटि‍सँ भरि‍ गेलै। बीआक दशा देखि‍ भोलाकेँ ठकमूरी लगि‍ गेलै। मुदा नि‍राश नहि‍ भेल। एते आशा रहवे करै जे एक-बेरक ने नष्‍ट भेल। पुन: पाड़ि‍ लेब।
    दोकानक छि‍जानैत देखि‍ दुनू परानी ललि‍तक मन वि‍चलि‍त भऽ गेल। साल भरि‍क मेहनतकेँ नष्‍ट होइत देखि‍ सुरजी तुरूछि‍ कऽ पति‍केँ कहलक- जेकर बनरी सएह नचाबे। कोन दुरमति‍या अहॉंकेँ कपारपर चढ़ि‍ गेल जे मि‍ठाइक दोकान केलौं। हलुआइक काज जे आन जाति‍ करत तँ एहि‍ना हेतै कि‍‍ ने।
  एक तँ पूँजी नष्‍ट होइत ललि‍त देखए दोसर पत्‍नीक गनजन सुि‍न मन थरथर कँपए लगलै। कड़ुआइल मने उत्तर देलक- कोनो काज कोनो जाति‍क बान्‍हल नै छै। जेकरा जे लुरि‍ रहतै से कि‍अए ने ओ काज करत कोनो कि‍ अपने टा बर्वाद भेल आि‍क सबहक भेलै।
  सबहक ि‍कअए ने हेतइ। गौवॉं  सभ ने अकड़रह केलक। ि‍बना काली महरानीकेँ बाक नेने गाममे पूजाक कि‍अए ठानि‍ देलक। पहि‍ने भगताकेँ बजा पूजा ढाड़ि‍ बाक लऽ लैत। से तँ केलक नै। देवीओ-दुर्गाकेँ हँसि‍ये-ठट्ठा बुझलक। तेँ ने ऐना भेलै।
  पत्‍नीक बात सुि‍न ललि‍त मुँह बन्न कऽ चुप्‍पे रहल।
    चाि‍र साल पहि‍ने ललि‍त नोकरी करैले बि‍राटनगर गेल। हलुआइक दोकानमे नोकरी भेलै। पहि‍ने तँ कोनो मि‍ठाइ बनवैक लूरि‍ नहि‍ रहै मुदा, रहैत-रहैत सभ ि‍मठाइओ आ आनो-आनो चीज बनबैक लूरि‍ भऽ गेलै। दू सालक बाद मनमे एलै जे जखन सभ लूि‍र भऽ गेल तखन अनेरे ि‍कअए नोकरी करै छी। से नै तँ गामेमे जलखैयो आ मि‍ठाइयोक दोकान खोलब। गाम आवि‍ सोचलक तँ मनमे एलै जे ऐठाम मि‍ठाइ दोकान चलैबला नै अछि‍। कहि‍ओ-काल कि‍यो-कि‍यो मि‍ठाइ कीनैए। तइसँ दोकान थोड़े चलत। एकटा चाहक दोकान छै ओकरो देखै छि‍यै जे सभ दि‍न उधारीक दुआरे गहि‍की सभसँ झगड़े होइत रहै छै। फेरि‍ घुरि‍ कऽ वि‍राटेनगर जाइक मन भेलइ। मुदा नोकरी करैबला परि‍वार सबहक दशा देखि‍ मन नहि‍ मानलकैक। मासे-मास रूपैया पठबैत रहू मुदा, घरक कोनो ठौर-ठेकान नहि‍। ने ि‍धया-पूता स्‍कूल जाइए आ ने घरेवाली कोनो काज करैए। अपने गाममे रहब तँ सभ कुछ सुढ़ि‍या जाएत। गामोमे की काजक कमी छै। फेरि‍ मनमे उठलै जे आब तँ गामोमे तते भोज-काज होइए जे उठो काज करव तइओ परदेशसँ बेसि‍ये कमा लेब। पहि‍ने जेकॉं ि‍क आब लोक थोड़े भतभोज करैए। आब तँ हढ़ि‍यो-सुढ़ि‍यो बरयातीकेँ पूड़ी-मि‍ठाइ खुआवैए आ श्राद्धोक भोज मि‍ठाइऐक होइ छै। हजार-हजार, डेढ़-डेढ़ हजार रूपैया मि‍ठाइ बनौनि‍हार लइ छै। वि‍आह ने सि‍जीनल होइए। मुदा सराधक तँ कोनो सि‍जीन नै होइ छै। दोसरो काज ठाढ़ कऽ लेब आ जै दि‍न काज भेटत तै दि‍न काजो कऽ लेब। पच्‍चीसो-पचास काज सालमे पकड़ाएत तइओ पच्‍चीस-पचास हजारक कमाइ भइये जाएत। पावनि‍यो आ भारो-दौरमे लोक मि‍ठाइक चलैन केने जा रहल अछि‍। अखन शुरूआती समए अछि‍ तेँ अबूह बुझि‍ पड़ैत अछि‍। मुदा जखन काज शुरू करब तखन अनेरे काज बढ़ए लगत। पहि‍लुका जेकॉं तँ आब लोकक हालतो गड़बड़ नहि‍ये छैक। पहि‍ने लोककेँ भरि‍ पेट खेनाइयो ने होइ छलै मुदा, आब तँ से बात नहि‍ रहलै। जेना-जेना हालत सुधरतै तेना-तेना खेनाइयो-पीनाइ आ आनो-आन काज सुधरतै। तहूमे कि‍ सब गाममे थोड़े हलुवाइ अछि‍। जखने लोक बुझत कि‍ आनो-आनो गामबला सभ आबि‍-आबि‍ काज करैले कहत। सोचैत-वि‍चारैत ललि‍त, गामेमे रहि‍, अपन ‍ कारोवार करैक नि‍र्णए कऽ लेलक।
    नि‍र्णए करि‍तहि‍ मि‍ठाइ बनवैक सॉंचो आ बरतनो-जात कीनि‍ लेलक। पॉंचे दि‍नक उपरान्‍त फागुनक लगन पकड़ा गेलै। बाप रे ऐहन लगन कोनो साल नहि‍ भेल छलैक। पनरह-सोलहटा ि‍वआहक दि‍न। बूढ़-ठेंर सभ उठि‍ जाएत तहूमे कि‍ कोनो सरकारी नोकरी छी जे जते दरमाहा तइँ भेल ओतवे रहत। जखने काजक धुमसाही हेतइ तखने कारीगरक कमाइ बढ़तै। जहि‍ना कम वस्‍तु रहने दाम बढ़ैत अि‍छ आ बेसी वस्‍तु भेने दाम घटैत अछि‍ तहि‍ना ने कम काज रहने रेट कमत आ वेसी काज भेने रेट बढ़त। टोटल-नफा मि‍ला कऽ ने मासक हि‍साव हएत।
    सोलहो लगनमे ललि‍त चौबीस हजार कमाएल। तइपर सँ अपूछ खेनाइ-पीनाइ संग ि‍कछु-कि‍छु उगरहला समानो भेलइ। मासो दि‍न व्‍यस्‍त रहल। मुदा कमाइक संग एकटा रस्‍तो भेटि‍लै। ओ ई जे अंति‍म लगनक काज करए गेल तँ घरवारी घरपर नहि‍। बरि‍आतीक भोजन बनवै आ खुअबै-पि‍अवैक बरतन भाड़ापर आनए गेल रहए। गप-सप्‍प करैक समए ललि‍तकेँ भेटल। गप्‍प-सप्‍पक क्रममे बुझलक जे दू हजार रूपैया बरतन-वासनक भाड़ा लगत। बाजल तँ कि‍छु नहि‍ ललि‍त मुदा, मने-मन हि‍साव बैसौलक जे जते दू ि‍दनक मेहनतमे कमाएव ओते तँ वरतने-वासन कमाइत अछि‍। मनमे जँचि‍ गेलै। सभ बरतनक हि‍साव जोड़लक तँ बुझि‍ पड़लै जे जते पूँजी लगाएव ओते नमहर काजो माने कारोवार हएत। तत्‍काल तँ ओते पूँजि‍यो ने अछि‍ आ समान रखैक जगहो नहि‍ अछि‍। से नहि‍ तँ पहि‍ने एकटा घर बनाएव जरूरी अछि‍। जखन घर भऽ जाएत तखन बहुत नमहर नहि‍ एक बरि‍आती जोकर समान माने वरतन-वासन कीनि‍ लेब। फेरि‍ बुझल जेतैक, जेना-जेना पूँजी होइत जाएत तेना-तेना कारोवार बढ़वैत जाएव। नव कारोवार देखि‍ मनमे खुशी एलै। खुशी अबि‍ते नजरि‍ दौड़लै। तेसर इजोतक लेल जेनरेटर। मुदा टेन्‍ट आ जेनरेटरक लेल समांग सेहो लागत। असकरूआ बुते कोना हएत। अपने कारीगरी करब ि‍क ओहि‍मे बरदाएब। सेचैत-सोचैत मन घुरि‍याए लगलै। फेरि‍ मनमे एलै जे टेन्‍ट-जेनरेटरमे ने अपन रहब जरूरी अछि‍ मुदा, बरतनमे तँ से नहि‍ हएत। गि‍नती कऽ कऽ देवइ आ लेबइ।
    साल भरि‍क उत्तर ललि‍त दोसरो काज ठाढ़ कऽ लेलक। दोहरी कमाइ हुअए लगलै। ललि‍तक आमदनी आ काज देखि‍ गामक लोक कहए लगलै जे ललि‍तक कपार जगि‍ गेलै। कोना नहि‍ जगैत? सुतल कपार माने बुद्धि‍केँ जगौलासँ ने जगैत अछि‍। जँ से नहि‍ जगाएव तँ ओहि‍ना ने सुतल रहैत अछि‍।
    दोहरी कारोवर भेलाक उपरान्‍तो ललि‍तकेँ कि‍छु समए वैसारी बुझि‍ पड़लै। बैसारीक लेल सोचए लगल जे एकरा कोना काजमे आनव। अपना खेत-पथार नहि‍। मुदा संयोग नीक रहल। एक गोटेक माए दुखि‍त पड़ल। वेचाराकेँ लहेरि‍यासराय इलाज करबए जाइक रहैक। ललि‍तक आमदनी गामक सभ बुझए लगल। अपन लाचारी देखवैत मकशूदन ललि‍तकेँ कहलक- भाय, वि‍पत्ति‍मे पड़ि‍ गेल छी। माएकेँ तेहेन बीमारी भऽ गेल अछि‍ जे लहेरि‍यासराय लऽ जाए पड़त। तमुरि‍या डॉक्‍टर सहाएवकेँ बीमारी जँचैक मशीने ने छन्‍हि‍। तेँ कहलनि‍ जे बि‍ना लहेरि‍यासराय गेने इलाज नहि‍ भऽ सकत।
  मकशूदनक बात सुि‍न ललि‍त पुछलक- हमरा की कहै छी। जँ देहक काज हुअए तँ अखने संगे चलब।
  नै, समांगक काज नहि‍ अछि‍। ललि‍त भाय, रूपैयाक जरूरत अछि‍।
  फेरि‍ ओंगरीसँ देखवैत मकशूदन बाजल- अहॉंक घरे लगहक दसो कट्ठा खेत भरना दऽ देव। पनरह हजार रूपैया सम्‍हारि‍ दि‍अ।
    मकशूदनक मजवूरी देखि‍ ललि‍तक मनमे एलै जे बीमारी, आ बच्‍चा सभकेँ पढ़ैक लेल रि‍नो-पैइच कऽ कऽ मदति‍ करक चाही। ऐहन समएक मदति‍ सि‍र्फ लेने-देन नहि‍, घरमक काज सेहो छी। घरसँ पनरहो हजार रूपैया नि‍कालि‍ दऽ देलक। रूपैया लैत मकशूदन बाजल- भाय, कागज बना लाए?”
  कागजक नाओ सुनि‍ ललि‍त अवाक् भऽ गेल। मने-मन सोचए लगल जे कोनो कि‍ केवाला लेलहुँहेँ जे लि‍खा-पढ़ी कराएव। भरनाक लेल लि‍खा-पढ़ीक कोन जरूरत छैक। समाजमे कतवो छल-प्रपंच ि‍कएक ने आवि‍ गेल होइ मुदा, समाज तँ समाजे छी। अखनो ऐहन-ऐहन लोक छथि‍ जे दोसराक बच्‍चाकेँ पढ़ैमे, इलाजमे, माए-वापक क्रि‍या-कर्ममे ओहुना मदति‍ कऽ दैत छथि‍ तहन कागज-पत्तर बनवैक कोन जरूरत अछि‍। जँ मनमे वेइमानी औतनि‍ तँ नहि‍ देताह। मुदा जमीन तँ हमरो कब्‍जामे रहत। समाज ि‍क एहि‍ बातकेँ नहि‍ बुझताह। मुदा अवि‍श्‍वासो कोना कएल जाए? जँ समाजमे बेइमानी-शैतानी बढ़ि‍ गेल अछि‍ तँ इहो बात तँ छि‍पल नहि‍ अछि‍ जे कतेको गोटे माइयो-बापकेँ खाइ-पीवैमे तकलीफ करैत अछि‍। भीन कऽ दैत अछि‍। ई वेइमानी-इमानदारी तँ आदमी-आदमीक बीचक वि‍चार अछि‍। एहि‍ नजरि‍सँ देखलापर मकशूदनकेँ वेइमान कहबनि‍। अपन मुँहक अहार काटि‍ कऽ माइक इलाज करबए जा रहल छथि‍। जहि‍ आदमीमे एते इमानदारी छनि‍ हुनकासँ कागज बनाएव जरूरी नहि‍ अछि‍। अखनो गाममे ढेरो भरना ऐहन अछि‍ जेकर लि‍खा-पढ़ी नहि‍ भेल अछि‍। जँ बेइमानि‍ये करताह तँ अपन माए-पि‍ति‍आइन वुझि‍ बुझव जे समाज सेवा केलहुँ। जँ रजि‍ष्‍ट्री कराएव तँ अधा खर्च हमरो हएत आ अधा हुनको हेतनि‍। बेर-बेगरतामे एक पाइक महत्‍व एक लाखक बराबरि‍ भऽ जाइत अछि‍। सोचि‍-वि‍चारि‍ ललि‍त बाजल- भाय, अखन अहॉं माएकेँ इलाज करवि‍अनु। लि‍खा-पढ़ीक जरूरत नहि‍ अछि‍।
    हाथमे रूपैया अवि‍ते मकशूदनक मनमे वि‍सवास आि‍ब गेल जे माइक इलाज हेबे करत। काजोक ऐहन संयोग होइत अछि‍ जे नीक हेवाक रहत तँ कोनो काजमे बाधा नहि‍ हएत। मुदा अधला हेवाक रहत तँ अनेरो काज सभमे ओझरी लगैत रहत।
    दस कट्ठा जमीन हाथमे ऐने ललि‍तक मन खुशीसँ गद्-गद् भऽ गेल। तहि‍ बीच सुरजी आबि‍ बाजलि‍- जँ फेनो‍ रूपैया मांगथि‍ तँ फेनि‍ देबनि‍।
  पत्‍नीक बात सुि‍न ललि‍तक मन आरो खुशी भऽ गेल। पुछलक- कअए?”
  अहॉं खेत-पथारक बात नै ने बुझै छि‍यै। कनि‍ये-कनि‍ये देने जखैन बेसी भऽ जाएत तखैन कबल्‍ले लि‍खा लेब।
  पत्‍नीक बात सुि‍न एकाएक ललि‍तक मनमे अस्‍सीमन पानि‍ पड़ि‍ गेल। बुदबुदाएल- देखू अइ दुि‍नयॉंक रीति‍। एक घर कानै एक घर गीत।
  तुरूछि‍ कऽ बाजल- जखैन ि‍कछु बुझैक हएत तखैन पुछि‍ लेब। जाउ, अंगना-घरक काज देखू गऽ।
    सुरजी चलि‍ गेलि‍। ललि‍त सोचए लगल जे पहि‍ने अनका खेतमे काज करै छलौं। जे अढ़ा दैत छल से कऽ दैत छेलि‍यै। काजक ने लुि‍र अछि‍ मुदा, काजेक लुरि‍ भेने तँ लोक ि‍गरहस्‍त नहि‍ ने बनि‍ जाइत अछि‍। गि‍रहस्‍तीक लेल काजक लुरि‍क संग कोन समए कोन चीजक खेती हएत। ततबे नहि‍, केहेन समए भेने केहेन खेती कएल जाएत। कतेको प्रश्‍न अछि‍। फेरि‍ मनमे एलै जे खेत तँ बड़ सुन्‍दर अछि‍। घर लग अछि‍ आ बगलमे बोरि‍ंगो छैक। तेँ ऐहन खेती करब जे अधि‍कसँ अधि‍क उपजा हएत। बारह मासक साल होइ छै। साल भरि‍पर मौसम बदलैत अछि‍। जहि‍ना-जहि‍ना मौसम बदलत तहि‍ना-तहि‍ना खेति‍ओ माने फसलो बदलब। नीक हएत जे पहि‍ने गरमा धानक खेती कऽ लेब। जे चारि‍ मासमे भऽ जाएत। धान काटि‍ अल्लुक खेती कऽ लेब। जे तीन मासमे भऽ जाएत। अल्‍लु उखाड़ि‍ िपयौज कऽ लेब। जे वैशाख अबैत-अबैत भऽ जाएत। कमो खेत रहने बेसी उपजा हएत। संगे अपनो तँ कारोवारि‍ये छी तेँ वेसी समयो नहि‍ बँचैत अि‍छ।
    गाममे मेला भेने ललि‍त मि‍ठाइक बढ़ि‍यॉं दाेकान केलक। मुदा झॉंट-पानि‍क दुआरे बनौल मि‍ठाइयो आ सामानो सभ दुइर भऽ गेलै। मुदा सबहक क्षति‍ देखि‍ मन घवड़ाएल नहि‍। कोनो कि‍ कर्जा लऽ कऽ दोकान केने छी जे एक दि‍स सभ नोकसान भेल आ दोसर दि‍स महाजन कपारपर चढ़त। भरि‍ राति‍ दोकानेकक चीज-वौस सम्‍हारैमे दुनू परानीकेँ लगि‍ गेल।
    पॉंच दि‍न पहि‍ने ललि‍त दसो कट्ठामे कुफरी अलंकार अल्‍लु रोपने रहए। समस्‍तीपुरसँ अल्‍लूक बीआ अनने रहए। भोरमे जखैन खेत देखलक तँ ठहुन भरि‍ पानि‍ खेतमे देखि‍ नि‍राश भऽ गेल। एक तँ दोकानक पूँजी नष्‍ट भऽ गेल दोसर खेतीओ डूबि‍ गेल। सभ अल्‍लू माटि‍ये तरमे सड़ि‍ जाएत। तते पानि‍ लगल अछि‍ जे मास ि‍दन जोतैइयो जोकर नहि‍ हएत जे दोहराइयो कऽ रोपि‍ लेब। खेतसँ आि‍ब पेटकान लाधि‍ देलक। मनमे एलै, छह मासक कमाइ डूबि‍ गेल। मुदा फेरि‍ हूबा केलक जे अही सब संग ि‍क अपनो परान गमा लेब। जहि‍ना सभकेँ भेल तहि‍ना हमरो भेल। जहि‍ना सभ ि‍दन काटत तहि‍ना हमहूँ काटब। तइले अनेरे सोगा कऽ की हएत।



No comments:

Post a Comment

"विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका http://www.videha.co.in/:-
सम्पादक/ लेखककेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, जेना:-
1. रचना/ प्रस्तुतिमे की तथ्यगत कमी अछि:- (स्पष्ट करैत लिखू)|
2. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो सम्पादकीय परिमार्जन आवश्यक अछि: (सङ्केत दिअ)|
3. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो भाषागत, तकनीकी वा टंकन सम्बन्धी अस्पष्टता अछि: (निर्दिष्ट करू कतए-कतए आ कोन पाँतीमे वा कोन ठाम)|
4. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो आर त्रुटि भेटल ।
5. रचना/ प्रस्तुतिपर अहाँक कोनो आर सुझाव ।
6. रचना/ प्रस्तुतिक उज्जवल पक्ष/ विशेषता|
7. रचना प्रस्तुतिक शास्त्रीय समीक्षा।

अपन टीका-टिप्पणीमे रचना आ रचनाकार/ प्रस्तुतकर्ताक नाम अवश्य लिखी, से आग्रह, जाहिसँ हुनका लोकनिकेँ त्वरित संदेश प्रेषण कएल जा सकय। अहाँ अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा ggajendra@videha.com पर सेहो पठा सकैत छी।

"विदेह" मानुषिमिह संस्कृताम् :- मैथिली साहित्य आन्दोलनकेँ आगाँ बढ़ाऊ।- सम्पादक। http://www.videha.co.in/
पूर्वपीठिका : इंटरनेटपर मैथिलीक प्रारम्भ हम कएने रही 2000 ई. मे अपन भेल एक्सीडेंट केर बाद, याहू जियोसिटीजपर 2000-2001 मे ढेर रास साइट मैथिलीमे बनेलहुँ, मुदा ओ सभ फ्री साइट छल से किछु दिनमे अपने डिलीट भऽ जाइत छल। ५ जुलाई २००४ केँ बनाओल “भालसरिक गाछ” जे http://www.videha.com/ पर एखनो उपलब्ध अछि, मैथिलीक इंटरनेटपर प्रथम उपस्थितिक रूपमे अखनो विद्यमान अछि। फेर आएल “विदेह” प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/पर। “विदेह” देश-विदेशक मैथिलीभाषीक बीच विभिन्न कारणसँ लोकप्रिय भेल। “विदेह” मैथिलक लेल मैथिली साहित्यक नवीन आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि। प्रिंट फॉर्ममे, ऑडियो-विजुअल आ सूचनाक सभटा नवीनतम तकनीक द्वारा साहित्यक आदान-प्रदानक लेखकसँ पाठक धरि करबामे हमरा सभ जुटल छी। नीक साहित्यकेँ सेहो सभ फॉरमपर प्रचार चाही, लोकसँ आ माटिसँ स्नेह चाही। “विदेह” एहि कुप्रचारकेँ तोड़ि देलक, जे मैथिलीमे लेखक आ पाठक एके छथि। कथा, महाकाव्य,नाटक, एकाङ्की आ उपन्यासक संग, कला-चित्रकला, संगीत, पाबनि-तिहार, मिथिलाक-तीर्थ,मिथिला-रत्न, मिथिलाक-खोज आ सामाजिक-आर्थिक-राजनैतिक समस्यापर सारगर्भित मनन। “विदेह” मे संस्कृत आ इंग्लिश कॉलम सेहो देल गेल, कारण ई ई-पत्रिका मैथिलक लेल अछि, मैथिली शिक्षाक प्रारम्भ कएल गेल संस्कृत शिक्षाक संग। रचना लेखन आ शोध-प्रबंधक संग पञ्जी आ मैथिली-इंग्लिश कोषक डेटाबेस देखिते-देखिते ठाढ़ भए गेल। इंटरनेट पर ई-प्रकाशित करबाक उद्देश्य छल एकटा एहन फॉरम केर स्थापना जाहिमे लेखक आ पाठकक बीच एकटा एहन माध्यम होए जे कतहुसँ चौबीसो घंटा आ सातो दिन उपलब्ध होअए। जाहिमे प्रकाशनक नियमितता होअए आ जाहिसँ वितरण केर समस्या आ भौगोलिक दूरीक अंत भऽ जाय। फेर सूचना-प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे क्रांतिक फलस्वरूप एकटा नव पाठक आ लेखक वर्गक हेतु, पुरान पाठक आ लेखकक संग, फॉरम प्रदान कएनाइ सेहो एकर उद्देश्य छ्ल। एहि हेतु दू टा काज भेल। नव अंकक संग पुरान अंक सेहो देल जा रहल अछि। विदेहक सभटा पुरान अंक pdf स्वरूपमे देवनागरी, मिथिलाक्षर आ ब्रेल, तीनू लिपिमे, डाउनलोड लेल उपलब्ध अछि आ जतए इंटरनेटक स्पीड कम छैक वा इंटरनेट महग छैक ओतहु ग्राहक बड्ड कम समयमे ‘विदेह’ केर पुरान अंकक फाइल डाउनलोड कए अपन कंप्युटरमे सुरक्षित राखि सकैत छथि आ अपना सुविधानुसारे एकरा पढ़ि सकैत छथि।
मुदा ई तँ मात्र प्रारम्भ अछि।
अपन टीका-टिप्पणी एतए पोस्ट करू वा अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा ggajendra@videha.com पर पठाऊ।

'विदेह' २३० म अंक १५ जुलाइ २०१७ (वर्ष १० मास ११५ अंक २३०)

ऐ  अंकमे अछि :- १. संपादकीय संदेश २. गद्य २.१. आशीष अनचिन्हार-  "कतेक रास बात" इंटरनेटपर मैथिलीक पहिल उपस्थिति नै अछि ...