Thursday, February 21, 2008

कुर्ता फाड़ होली के तैयारी म लालू

भारतीय रेल के कायापलट म अपन केन्द्रीय भूमिका के लेल वाहवाही बटोरे बला रेल मंत्री लालू प्रसाद कुर्ता फाड़ होली खेलै के तैयारी म छैथ ! उदार बजट पेश के क जानता के प्रशंसा बटोरे वला लालू प्रसाद क हर साल होली के बेसब्री स इंतजार रहैत छैन ! लालू प्रसाद आईएएनएस स बातचीत के दरमियाँन कहल्खिन की अपन ड्रीम बजट पेश करै के बाद ओ बहुत खुश छैथ ! आर अई बेर अपन खास अंदाज म होली मनेता ! हुनकर नेतृत्व म भारतीय रेलवे २०० अरब रुपैया के आमदनी केलकैन य ! अपन चिर परिचित शैली म ठहाका लगबैत लालू प्रसाद कहल्खिन की जखन होली के मौसम हुवे त कुर्ता के चिंता के करैत छैथ ! ओ अइयो बेर कुर्ता फाड़ होली खेलता ! हुनकर कहब छैन जे प्रधान मंत्री मनमोहन सिंह, कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गाँधी, वित्त मंत्री पी. चिदंबरम आर देश के करोडो लोकेन हुनकर रेल बजट के तारीफ के चुकाल्खिन य ! तही ले क अई बेर हुनका लेल पूरा सुकून स होली मनेनै आसान छैन ! बिहार म सत्ता गवाबई के बाद लालू प्रसाद के लेल होली अधिक मजेदार नै रैह गेलेंन रहा, लेकिन एक बेर फेर ओ अपन पुरान अंदाज म आर मस्ती के संग इ त्यौहार मनाबई के तैयारी म छैथ ! रेल मंत्री लालू प्रसाद होली अपन पत्नी राबड़ी देवी के आधिकारिक निवास १० सर्कुलर रोड म मनेता ! राबड़ी देवी विधान सभा म विपक्ष के नेता छथिन ! लालू प्रसाद होली क रंगीन बनाबई म जुइट गेला य ! होली के मौका पर लालू प्रसाद अपन पार्टी के नेता सभक कपड़ा फैर क हुनका संग होली खेलैत छैथ ! जखन बिहार म लालू - राबड़ी दंपती के शासन रहेंन, त मुख्यमंत्री निवास के होली चर्चा के विषय रहैत रहेंन ! ढोल के थाप पर झुमैत लालू क कैमरा म कैद करै के लेल फोटो ग्राफर के बिच होड़ रहैत रहेंन किछ ओहिना अइयो बेर के होली हेतै लालू प्रसादक

'विदेह' २२८ म अंक १५ जून २०१७ (वर्ष १० मास ११४ अंक २२८)

ऐ  अंकमे अछि :- १. संपादकीय संदेश २. गद्य २.१. डॉ. कैलाश कुमार मिश्र -  गौरी चोरनी ,  गौरी डाईन आ गौरी छिनारि: मधुश्रावणी कथा केर ...